Skip to main content

शेयर बाज़ार में एतिहासिक गिरावट

सोमवार के शेयर बाज़ार में एतिहासिक गिरावट देखल गेल. शेयर बाज़ार में एक दिन में एतेक गिरावट कहिनो नहिं भेल छल. बाजार में पैसा लगाबय वाला लोक के करीब 6 लाख करोड़ रूपया के नुकसान उठाबय पड़ल अछि. सेंसेक्स आओर निफ्टी कोनो पुरान मकान जका भरभरा कS गिर पड़ल. कइटा शेयर जकरा आमतौर पर मजबूत मानल जाय छल ओकर हालत सेहो खराब देखल गेल. ऐहन अफरातफरी मचल कि लोक हड़बड़ी में शेयर बेचय लगला. एक समय त सेंसेक्स दु हजार सं ज्यादा अंक तक गिर पड़ल... आखिर में बंद होय के समय किछ संभलल आओर 1408 अंक के गिरावट के संग17, 605 पर बंद भेल. निफ्टी सेहो करीब पांच सय अंक गिरकय बंद भेल. बाजार में चौतरफा बिकवाली देखल गेल... कोनो खास एकटा सेक्टर के शेयर में गिरावट नहिं बल्कि हर सेक्टर के शेयर में गिरावट आयल. कहल जा रहल छै जे विश्व बाजार...खासक अमेरिकी बाजार में आयल मंदी के कारण ई गिरावट आयल अ. जानकार लोकक के सेहो कहनाय छैन्हि जे विदेशी संस्थागत निवेशक के पैसा निकालय के कारण बाजार भरभरा गेल. ओना बाजार में आयल तेजी के बाद एहि तरहल करेक्शन के आशंका लोक के पहिने सं छल जे बाजार में कहिओ एहन स्थिति आबि सकय अ. मुदा एकाएक एतेक खसि पड़त... ई कोई गोटे नहिं सोचने छलाह.
गिरावट के ई सिलसिला पिछला 6 कारोबारी दिन सं जारी छै आओर एहि दौरान सेंसेक्स करीब 3222 अंक गिरल अछि. आओर लोक के करीब 11 लाख करोड़ रुपया डूबि चुकल छै. लोक कहय छथिन्ह जे मजबूत शेयर में पाई लगाबह मुदा आई मजबूत शेयर सेहो धराशायी भ गेल... चाहे वो रिलायंस... डीएलएफ... बजाज ऑटो... या एसीसी जैसन मजबूत ब्लू चिप कंपनी के शेयर किएक नहिं होय. बाजार में गिरावट सं नुकसान त भेल अ मुदा अगर अहां अपन शेयर नहिं बेच लंबा समय के लेल रखने छी त भ सकय छै बाजार जखन आगा बढ़त त फायदा होयत. ओना अहि गिरावट में सेहो किछ लोक फायदा उठाबय के लेल तैयार रहय छथि. कइटा एहन कंपनी के शेयर बहुत कम दाम पर मिलि जाय छै जकरा किछ दिन के बाद बढ़य के संभावना रहय छै... जे कंपनी के शेयर के पोटेंसियल नीक रहय छै ओहि में पाय लगाकय रखल जा सकय छै. एहि गिरावट में ओहि लोक के ज्यादा नुकसान भेल अ जे ज्यादा दिन शेयर नहिं रखय छथि. अगर अहां दीर्घ अवधि के लेल निवेश करय छी तखन शेयर बाजार अहां के लेल फायदा मंद अछि. मुदा आई खरीदलौ आओर काल्हि बेच देलहुं हुनका सोम दिन नुकसान उठावय पड़लन्हि अ. ओना आमतौर पर सुरक्षित मानय जाय वाला म्युचुअल फंड में सेहो गिरावट आयल अ मुदा जे हर महीने SIP सं नियमित रुपे पाई जमा करय छथि हुनका उपर एकर कोनो खास असर नहिं पड़तन्हि.
शेयर बाजार में हाल में आयल तेजी सं बड़ लोक एहि तरफ आकर्षित भेला अ. लाखों डीमैट अकाउंट खुलि गेल अ. एहि में रिलायंस के आईपीओ आयला सं आओर तेजी आयल अ मुदा लोक के भीड़ के जेम्हर भागैत देखलहुं ओम्हर भागय के जरूरत नहिं छैन . नवका लोक के... शेयर बाजार के कम जानकार लोक के बचि कय... संभलि कय.. पाई लगावय के जरूरत छै... जिनका पास पैसा छनि हुनका अगर किछ पाई डूबि जयतन्हि त कोई असर नहिं पड़तन्हि... मुदा अगर अहांक जीवन भरक पाई अगर एकहिं बेर में डूबि गेल त कतहु के नहिं रहब. एहि के लेल हर कोनो आदमी के सलाह पर काज नहिं करु. जे लोक कहिओ पाई नहिं लगौने अछि आ ओ अहां के सलाह द रहल अ त संभलि जाउ. एहन आदमी के सलाह पर बाजार में नहिं कूदि पड़ु जिनका खुद बाजार के गहराई के पता नहिं छनि. बाजार विश्लेषक... विशेषज्ञ के पास जाउ... एसआईपी के माध्यम सं पाई लगाउ. कनि कमे आयत मुदा सुरक्षित त रहत. कनि के लोभ में अपन पूरा पाई नहिं डूबा दिअ. पाई लगाबय सं पहिने पूरा सतर्कता बरतु.

Comments

  1. सच्चाई है
    सटीक विश्लेशण है
    वाट लगी है
    बाज़ार की
    यह चोट है
    लौहार की

    ReplyDelete
  2. Hamar Nam Achi Manoj Kumar Jha Villge Ujan Kankpur
    Ham e janah chahe chi Share Bazar mai kena Rs Lagayal jay aur akar kona fiada hate se hamra jankari chhi kirpa kay ka batawi aur kon kampani ke share purchage kay jay aur akar hum part time mai marketing work karay chahe chi

    Hamr Mobile No e achi 9971941662

    ReplyDelete
  3. I am Manoj Kumar Jha

    i interested share puchage and marketing work

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...