नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

महराजधिराज जन्मशती समारोह


दरभंगा महाराज कामेश्वर सिंहजीक जन्मशती समारोह दिल्ली के इंडिया इस्लामिक सेंटर में मनावल गेल. समारोह में मिथिला... मैथिली समाज... कला... शिक्षा के क्षेत्र में महाराजक योगदान पर चर्चा कएल गेल. समारोह के उद्घाटन केन्द्रीय मंत्री सुबोध कांत सहाय कयलाह. एहि अवसर पर समारोह में वरिष्ठ पत्रकार प्रभाष जोशी, आउटलुक हिंदी के संपादक आलोक मेहता, जनता दल (यू) के अध्यक्ष शरद यादव, प्रकांड विद्वान आओर कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय के पूर्व कुलपति डॉ रामकरण शर्माजी सेहो मौजूद छलाह.
केन्द्रीय मंत्री सुबोध कांत सहाय स्वतंत्रता आंदोलन आओर पत्रकारिता क्षेत्र में महाराज के योगदान के सराहना कएलथिन्ह. महाराज के योगदान के देखैत ओ हुनकर स्मृति में डाक टिकट जारी करय के मांग सेहो कएलथिन्ह. जखन की श्री शरद यादव कहलथिन्ह जे आजादी सं पहिने आओर आजुक पत्रकारिता में बड़ फर्क आबि गेल अ. महाराज स्वतंत्रताक लड़ाई में स्वतंत्रता सेनानी के खूब मदद कएलथिन्ह. जखन कि हुनका एकर शंका छलन्हि जे मदद कएलाह पर हुनकर राज जा सकय छनि. तखनो ओ पाछा नहिं हटलाह.
डॉ रामकरण शर्माजीक कहलाय छलन्हि जे दरभंगा एकमात्र एहन राज छल जे विद्या सं अर्जित कएल गेल छल. दरभंगा राज सम्राट अकबर पंडित महेश झा जी के हुनकर विद्वता सं प्रभावित भ क देने रहथिन्ह. पूर्व कुलपति एहि बात पर दुखी छलाह जे आई काल्हि विश्वविद्यालय के नाम बदलई के बात बीच बीच में सेहो उठैत रहय छै. समारोह के इंडिया इस्लामिक सेंटर के सचिव वशी अहमद नोमानी सेहो संबोधित कएथिन्ह. नोमानी जी मधुबनी जिला के जयनगर सं छथिन्ह. ओ कहलथिन्ह जे दरभंगा महराज इलाका के तरक्की के लेल... खुशहाली के लेल... शिक्षा के लेल बड़ काज कएलाह. मुदा ओ एहि बात पर दुख सेहो जतयलाह जे मिथिला के जे लोकनि कमाय लेल... काज लेल... नौकरी लेल बाहर जाइ छथि. ओतहिं के भ जाइ छथि. मिथिला के बिसरि जाइ छथि. वो ओहि ठामक तरक्की में त भागीदार होइ छथि मुदा मिथिला के पाछां छोड़ि दत छथि. अपन जुबान के भुला दैत छथि.
एहि अवसर पर मशहूर गायक उदित नारायण आओर दीपा नारायण कार्यक्रम सेहो भेल. उदित नारायण सं मिलय आओर ऑटोग्राफ लेबय लेल हुनका आगां पाछां भीड़ लागल रहल. समारोह में लोकगायिका विजया भारती सेहो अपन कार्यक्रम पेश कएलिह.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु