Skip to main content

चौबीस साल बाद...

एकरा स बड़का नशा की होएत...एकरा स बड़का खुशी के पल कोन होएत...एहि स बड़का भीड़ कोन होएत...मुम्बई क छत्रपति शिवाजी अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर जखन भारतीय क्रिकेट टीम के सदस्य पहुंचला त लाखों क्रिकेट प्रेमी फूल-माला, ढोल नगाड़ा के साथ हुनका स्वागत कयलाह। लोक सभक कहनाय छलन्हिजे ऐहन स्वागत आई धरि ककरो भेल होय आ कोन काजक लेल एतेक भीड़ उमड़ल होय से हुनका ध्यान नहिं छैन...

ट्वेंटी-ट्वेंटी वर्ल्ड कप के फाइनल में पाकिस्तान के हराकए बुधवार सुबह जखन टीम इंडिया के खिलाड़ी सभ मुम्बई पहुंचलाह त पूरा मुम्बई जेना हवाई अड्डा पर हुनका स्वागतक लेल उमड़ि गेल होय...एहि अवसर पर बीसीसीआई अध्यक्ष शरद पवार, महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री विलासराव देशमुख, मीडिया कर्मी ...क्रिकेट प्रेमी आओर की की कहल जाउ सभ ओहि ठाम मौजूद छलाह... सैकड़ों...हजारों के बात नहिं लाखों प्रशंसक...मुम्बई के समुद्रके पास जेना जनसमुद्र उमड़ि पड़ल होय।
हवाई अड्डा पर तिलक लगाकय स्वागत भेला के बाद खिलाड़ी सभ के दो मंजिला बस पर बैसा वानखेडे स्टेडियन ल जायल गेल...हवाई अड्डा स वानखेडे स्टेडियम के दूरी करीब ३० किलोमीटर अछि मुदा एतेक दूरी तय करय में करीब पांच घंटाके समय लागल...लागय छल जेना शहरक सभ रास्ता स्टेडियम तरफ जा रहल छै...मुम्बई के सड़क पर एतेक भीड़ कहियो नहिं उमड़ल...लोकक रेलमपेल...सभ आगा निकल टीम इंडिया के विजेता खिलाड़ी के एक झलक देख लेबय चाहैत छलाह... ढोल नगाड़ा के आवाज पर लोक सभ त नाचिते छलाह... श्रीसंत, युवराज और हरभजन सिंह से हो नाचय लगलाह...लोक सभक खुशी के मारे हाल बेहाल छल...संगहि संग टीम के खिलाड़ी सभ सेहो मस्ती स सराबोर भ गेलाह... बस के खुलल छत पर स हाथ हिलाकय वो अपन प्रशंसक अभिवादन स्वीकार करय छलाह ।

वानखेड़े स्टेडियम में बोर्ड अध्यक्ष शरद पवार एकटा भव्य सम्मान समारोह में टीम के स्वागत कयलाह आओर इनाम देलथिन्ह ... चौबीस साल बाद चौबीस तारीख के खिताब जीतय वाला टीम पर बोर्ड धनक बरसा कय़ देलक...एतेक इनाम देल गेल की सभ खिलाड़ी करोड़पति बनि गेलाह...सबस ज्यादा प्रशंसा मिलल युवराज सिंहके जे गेंद पर छक्का जड़ने छलाह। बोर्ड से त हिनका सभके धन मिलबे कयलन्हि अ...हिनका सभ के अपन राज्य में सेहो खूब इनाम मिलल .

पिछला विश्वकप में लोकक जे क्रिकेट के प्रति मोहभंग जका भ गेल छल ओकरा ई विश्व कप एक बेर फेर स जगा देलक अ...आब लोक सभ फेर स क्रिकेट के बारे में बात करय लगलाह अ...जे कंपनी पिछला विश्वकप हारला के बाद खिलाड़ी सभ के अपन विज्ञापन से वापस ल लेने छलखिन्ह ओ फेर स खिलाड़ि सभ के पीछे दौड़य लगलाह अछि...खेल के साथ विज्ञापन के सेहो बल्ले बल्ले होय लगल अछि...एहि स सट्टेबाज सभ के पैसा त डूबबे कएल अछि...खेल के प्रप्ति उत्साह सेहो जागल अछि॥

Comments

  1. अहाँ के लेख नीक लागल. मैथिली में पढ़य में हमरा दिक्कत त भेल. लेकिन तईयो आनंद आबि गेल. जय मैथिली-जय मिथिला.

    ReplyDelete
  2. संजीव जी, अहांक बहुत-बहुत धन्यवाद. एहिना उत्साह बढ़ावैत रहुं.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...