नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

लक्ष्मी मित्तल स आगा मुकेश अंबानी


मुकेश अंबानी दुनिया के सभस अमीर भारतीय बनि गेलाह अ...धन दौलत, सम्पति के मामला में ओ इस्पात किंग के नाम स मशहूर लक्ष्मी निवास मित्तल स आगा भ गेलाह अछि...रिलायंस इंडस्ट्रीज के सर्वेसर्वा मुकेश अंबानी के एहि ठाम पहुंचबा में सभस बड़का योगदान शेयर बाजार में आयल भारी तेजी के अछि...बुधवार के सेंसेक्स के १७ हजार के आंकड़ा पार करैत रिलायंस इंडस्ट्रीज, रिलायंस पेट्रोलियम, आईपीसीएल आओऱ रिलायंस इंडस्ट्रीज इन्फ्रास्ट्रक्चर के शेयर के भाव के आधार पर हिनकर सम्पत्ति ५० अरब डॉलर स ऊपर चलि गेल...एकरे साथ ओ एतेक पाई वाला दुनिया के चौथा आदमी भ गेलाह ...हिनका स आगा छैन...अमेरिका के साफ्टवेयर महारथी बिल गेट्स, मैक्सिको के कार्लोस स्लिम हेलू आओर वॉरेन बफेट। मार्च में जखन मशहूर पत्रिका फोर्ब्स में अमीर लोकक सूची जारी भेल छल तखन स्टील किंग श्री मित्तल पांचवां स्थान पर छलाह आओर मुकेश अंबानी चौदहवां स्थान पर ...ओना तहिया स दुनु गोटा के धन दौलत में इजाफा भेल अ मुदा मुकेश अंबानी क सम्पत्ति ज्यादा बढलैन्ह अ...
पचास अरब डॉलर(करीब 2 लाख करोड़ रुपया) से ज्यादा पाई वाला मुकेश अंबानी के रिलायंस ग्रुप में चारि टा कंपनी रिलायंस इंडस्ट्रीज, रिलायंस पेट्रोलियम, आईपीसीएल आओऱ रिलायंस इंडस्ट्रीज इन्फ्रास्ट्रक्चर अछि... ई चारु कंपनी में स करीब आधा मुकेश के छैन.।शेयर बाजार में आयल तेजी स मुकेशजी के अमीर उद्योगपति के रूप स्थिति आओर मजबूत भेल अ...हिनकर छोट भाई अनिल अंबानी पाईयक मामला में दोसर स्थान पर आबि गेलाह अ...हिनकर बाद डीएलएफ के केपी सिंह छथिन्ह ...अगर खरबपति क बात कएल जाय त अखन देश में तीन टा खरबपति छथिन्ह....मुकेश अंबानी...अनिल अंबानी आओर केपी सिंहजी...भ सकय अ जल्दीए एकटा आओर नाम एहि लिस्ट में जुड़ि जाय...मोबाइल टेलीफोन कंपनी एयरटेल के सुनील मित्तल के पाई सेहो तेजी स बढ़ि रहल छैन...ओ किछुए पाछा छथिन्ह..
देश में खुलल अर्थव्यवस्था...उदारीकरण स बड़ फायदा भेल अ...विदेशक कंपनी सभ जे भारत में कंपनी सभ के विलय करय छलाह आब ओ उलटा भ गेल अछि...भारतीय कंपनी सभ विदेश में कइटा कंपनी के खरीदवा में सफल भेल अछि...एहि मामला मे विडीयोकोन सबस आगा रहल अछि...पिक्चर ट्यूब बनावय वाला कंपनी थॉमसन के खरीद ओ एहि परिपाटी के शुरू कएलाह... एकर बाद त जेना दौड़ शुरू भ गेल...ऑर्सेलर के बात होय या कोनो दोसर के... एहि में किंगफिशर के विजय माल्याजी...टाटा के रतन टाटा आगा चलि रहल छथिन्ह ।
एहि स दुनिया में भारत के नाम त होयबे करय छै...एहिठामक युवक...लोक सभ के सेहो प्रेरणा मिलैत अछि ...दोसर युवक...उद्योगपति सेहो चाहताह जे हमहुं एहि तरहे आगा बढ़ि...एहि स ज्यादा स ज्यादा लोक के रोजगार सेहो मिलत...लोक के जीवन स्तर ऊपर उठत॥

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु