Skip to main content

दरभंगा स राजनगर

एहि बेर गर्मी छुट्टी में मन भेल जे दरभंगा राज सS राजनगर तक घुमल जाय... बिहार सम्पर्क क्रांति ट्रेन पकड़ि चलि पड़लऊ दरभंगा...गाम घर...अपन इलाका में पहुंचबाक खुशी...होइत छल जे कतेक जल्दी डेरा पर पहुंचु...ओहि दिन दरभंगा में मुसलाधार पानि रुकय के नामे नहि लैत छल...चप्पल उतारि..पेंट खोंसि स्टेशन सँ बाहर आबि ठेहुन भरि कादो पानि के बीच केहुना रिक्शा लय डेरा दिस विदा भेलहुं...भरि रास्ता लागय जे रिक्शा सS आब खसलहुं की तब खसलहुं...रोडक कतहुं पते नहिं चलय...ठेहुन भरि पानि स रिक्शा वाला सेहो परेशान छल...डेरा पहुंचि नहा-घो क टावर चौक दिस चलि देलंहु॥ चलय स पहिने अपन सभ जान पहचान वाला के फोन कय देलयन्हि दे आबि गेल छी...ओहि दिन वार्ड कमिश्नर चुनाव के रिजल्ट सेहो निकलल रहय ताहि शहर में काफी हो हल्ला रहय...सांझ में हमर सभक जुटानि भेल आजतक के रिपोर्टर प्रहलाद जी...उर्फ किलु जी के घर पर.... ओहि में सहारा समय राष्ट्रीय चैनल के जयपाल शर्मा जी...अजय मोहन प्रसाद जी...रोजाना के मणिशंकर जी...आंखो देखी के पप्पुजी...आओर एनडीटीवी के प्रमोद गुप्ता जी सेहो छलाह...हम १९८८ सँ २००१ तक प्रमोद जी के पिताजी श्री रामगोविन्द प्रसाद गुप्ता जी के तिरहुतवाणी में काम कअने छलहुं...गप्प...हंसी ठहाका में राति केना गुजरि गेल पता नहिं चलल...खैर तय भेल जे कालि राज कैम्पस घुमय लेल चलल जाइत...
राज कैम्पस में गेला पर ऊ पुरान दिन याद आबि गेल...आब त चारों दिस अतेक निर्माणक काज चलि रहल अछि जे राज परिसर के भव्यता खत्म भ गेल अछि...मार्केट बनि गेल अछि...परिसर त छोडू...किला के अंदर सेहो मकान सभ बनि गेल अछि... राजाक भव्य महल...किला के संरक्षण के जरूरत छल मुदा ओहि पर कोनो ध्यान नहि देल गेल अछि...आलीशान पैलेस खंडहर में तब्दील भ रहल अछि...
राज परिसर सँ भारि मने राजनगर लेल विदा भेलहुं...केवटी...रहिका...मधुबनी होयत राजनगर पहुंचला पर दरभंगा से ज्यादा दुख भेल... एहि ठाम काली मंदिर... महावीर मंदिर...सभ जीर्ण शीर्ण अवस्था में आबि गेल अछि... कोनो देखरेख नहिं...राज परिसर में लोक सभ अपन अपन घर सभ बना लेलथिन्ह अ...नौलखा महल सेहो खसि पड़ल अछि...हाथिक ऊपर बनल महलके सेहो हालत खस्ता अछि...
ओना आई -काल्हि राज कैम्पस में भारत नेपाल सीमा पर सुरक्षा के लेल तैनात एसएसबी के केन्द्र सेहो बनि गेल अछि...एहि स एहि ठामक लोक सभ नाराज सेहो छैथ... हुनका सभक कहनाय छन्हि जे बस्ती वाला इलाका में सैनिक...जवान सभ के रहनाय नहिं ठीक होयत अछि...महिला सभ ओम्हर स गुजरय में विशेष सतर्क रहैत छथिन्ह...
बड़ी लाइन बनय के कारण रेल बंद रहला से लोक सभ खूब परेशान छलाह॥ओहि दिन समस्तीपुर आओर हाजीपुर स रेलवे के किछु अफसर सब आयल छलाह निरीक्षण के लेल... खिसिआयल लोकसभ हुनका लोकनि के स्टेशने पर रुम में बंद कय देलखिन्ह...चारि महीना स भरोस दैत छलखिन्ह जे ई तारीख स ट्रेन चलय लहत ...तं ई तारीख स...लोक सभ परेशान... बरसातक महीना में राजनगर स मधुबनी जाय में लोकक पसीना छुटि जाइत छल...
खैर फेवीकोल जका बनल एकटा जीप पर सवार होय दरभंगा दिस विदा भेलहुं...जतेक उत्साह स दिल्ली स दरभंगा...राजनगर लेल आयल छलहुं ओ खत्म भ गेल छल...आखिर हम सभ अपन अतीत.. विरासत...इतिहास के उदासीन किऐक छी...हम सभ एकर संरक्षण लेल खाड़ किएक नहि भ रहल छी...सिर्फ ढोल पिटला स काम नहि चलत... कहिया तक हम सभ मिथिला स बाहर एकर गुणगान करैत रहब... आखिर हम अपन आबय वाला पीढ़ी के की देखाबय चाहि छी...हमरा सभके उठय परत...अगर अहां सभ चाहैत छी जे मिथिला अलग राज्य बनय...विकासक रास्ता पर चलय ज सभ गोटे के मिलजुल के प्रयास करय पड़त...



Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...