संसदक सर्वोच्च सदन राज्यसभा मे गूंजल मैथिली

भारतक संसदक सर्वोच्च सदन राज्यसभा मे आई मंगलदिन, 3 दिसंबर के मैथिली के गूंज उठल। आई मिथिला केर महान सपूत आ मध्यप्रदेश सं राज्यसभा सासंद प्रभात झा जी दिल्ली विश्वविद्यालय मे मैथिलीक पढ़ाई तत्काल शुरू करबाक लेल मैथिली मे अपन भाषण केलैथ। संभवत प्रभात झाजी राज्यसभा मे भाषण मैथिली मे करय वाला पहिल  व्यक्ति छथिन्ह।
भारतीय जनता पार्टी के राष्ट्रीय उपाध्यक्ष झाजी अखिल भारतीय मिथिला संघक मुख्य संरक्षक सेहो छथिन्ह। एहि असवर पर अखिल भारतीय मिथिला संघक प्रमुख विजय चंद्र झा जीक अपन खुशी व्यक्त करैत कहलाह जे एहि लेल सम्पूर्ण भारत के मैथिली संगठन, समस्त मिथिला वासी, अखिल भारतीय मिथिला संघक समस्त परिवार प्रभात जीक आभारी रहत। मां जानकी सं प्रार्थना जे हिनका दीर्घायु आ स्वस्थ राखैथ।

वीडियो देखु-

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

हमर विआह- 8

केंद्र मे हारल बिहार...

सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत ?

कस्तूरबा गांधी विद्यालय खुलत

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

पूर्णिया मे सुखोई

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल