दिल्ली के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे मिथिला महोत्सव आओर मिथिला लिटेरचर फेस्टिवल केर आयोजन

मैथिल पत्रकार ग्रुप के ओर से शनिदिन, 7 दिसंबर के प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे मिथिला महोत्सव आओर मिथिला लिटेरचर फेस्टिवल केर आयोजन कएल गेल।


मैथिल पत्रकार ग्रुप के तरफ सं मिथिला महोत्सव के ई पांचम आ मिथिला लिटेरचर फेस्टिवल के दोसर संस्करण छल। दिन मे पहिल सत्र मिथिला लिटेरचर फेस्टिवल के छल। एहि दौरान कई विषय पर परिचर्चा आ चारि टा पुस्तक केर लोकार्पण सेहो भेल। संतोष कुमार जीक पुस्तक 'भारत कैसे हुआ मोदीमय', नवीन चौधरी जीक किताब 'जनता स्टोर', संजय कुमार जीक पुस्तक 'कटिहार टू कैनेडी' आओर मंजीत ठाकुर जीक किताब 'ये जो देश है मेरा' केर लोकार्पण कएल गेल। एहि चारु किताब के विमोचन पीटीआई भाषा के संपादक निर्मल पाठक आ पीआईबी के महानिदेशक केएस धतवालिया करलखिन्ह।

सांझ के बाद मिथिला महोत्सव के कार्यक्रम शुरू भेल। मिथिला महोत्सव केर खास आकर्षण रहल अयोध्या घराना के मानस महाराज जीक भजन आ गीत गायन। मानस महाराज जी सीता-राम जीक संबंध पर अपन गीत सं लोक के झूमय लेल मजबूर करि देलाह। एकरे संग डहकन केर मंचन सेहो लोक सभ के खूब पसंद अएलन्हि। एहि मे मैथिल परंपरा के वैभव सेहो देखबा लेल मिलैत अछि। समधि जी के अएला पर हुनका स्वागत मे 56 भोग बनाएल जाएत अछि। लोकगीत के माध्यम सं कई तरहक गारि सेहो देल जाएत अछि। हंसी-मजाक के माहौल के बीच समधि भोजन करय छथिन्ह आ गारि के आनंद लय छथिन्ह। गारि सं नाराज नहि भं ओहि पर मुस्कुराएत रहैत छथिन्ह। एकर चित्रण बड नीक ढंग सं कएल गेल।

मिथिला फेस्टिवल के दौरान प्रकाश झा जीक निर्देशन मे रंगारंग नृत्य नाटिका झिझिया सेहो भेल। एहि मे नेना-भुटका सभ सेहो प्रेस क्लब परिसर मे मौजूद लोक के जीत जीतय मे कामयाब रहला। एहि बाल कलाकार मे पावकी, नंदिता ठाकुर, नीशीथ, अक्षित आ श्रेया शामिल छलीह।

मिथिला महोत्सव के अवसर पर भाजपा सांसद आ राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा, मैथिली भोजपुरी के उपाध्यक्ष नीरज पाठक, बुराड़ी सं विधायक संजीव झा, कांग्रेस प्रवक्ता प्रणव झा जीक संग मिथिलांचल के कइटा विधायक आओर सांसद महोदय उपस्थित छलाह।


Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

हमर विआह- 8

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव