हकार... दिल्ली में रवि दिन, 8 दिसंबर के मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

दिल्ली में रवि दिन, 8 दिसंबर के मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के शुभारंभ भ रहल अछि। मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के आयोजन दिल्ली के इंदिरा गांधी राष्ट्रीय कला केंद... IGNCA  मे कएल जा रहल अछि।


एहिठाम आबय मे सेहो कोनो दिक्कत नहि होयत... केन्द्रीय सचिवालय आ जनपथ मेट्रो स्टेशन सं पैदल आबि सकय छी।

एहि फेस्टिवल के शुभारंभ केरल के राज्यपाल आरिफ मोहम्मद खान जी करताह। रवि दिन कार्यक्रम 9 बजे भोरे शुरू भ जायत। अहाँ सभ के एहि फेस्टिवल लेल हकार अछि। एहि फेस्टिवल मे आबि आयोजक के मनोबल बढबियौ। फेस्टिवल के वक्ता में आग़ा खान संस्कृति ट्रस्ट के प्रोजेक्ट डायरेक्टर रतीश नंदा, IGNCA के सचिदानंद जोशी, JNU के मनिंद्र नाथ ठाकुर,गुजरात सेंट्रल यूनिवर्सिटी के वीसी आर एस दुबे, NBT के निदेशक श्रीमती नीरा जैन, GSDS के डायरेक्टर दीपंकर श्री ज्ञान जी छथिन्ह। मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल मिथिला सं बाहर भ रहल अछि। एकरा सफल बनएबाक दायित्व हमरा सभ पर अछि। आउ सभ गोटे मिल दिल्ली में सेहो एकरा सफल बनाबी।

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा