नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

हकार... दिल्ली में रवि दिन, 8 दिसंबर के मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

दिल्ली में रवि दिन, 8 दिसंबर के मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के शुभारंभ भ रहल अछि। मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के आयोजन दिल्ली के इंदिरा गांधी राष्ट्रीय कला केंद... IGNCA  मे कएल जा रहल अछि।


एहिठाम आबय मे सेहो कोनो दिक्कत नहि होयत... केन्द्रीय सचिवालय आ जनपथ मेट्रो स्टेशन सं पैदल आबि सकय छी।

एहि फेस्टिवल के शुभारंभ केरल के राज्यपाल आरिफ मोहम्मद खान जी करताह। रवि दिन कार्यक्रम 9 बजे भोरे शुरू भ जायत। अहाँ सभ के एहि फेस्टिवल लेल हकार अछि। एहि फेस्टिवल मे आबि आयोजक के मनोबल बढबियौ। फेस्टिवल के वक्ता में आग़ा खान संस्कृति ट्रस्ट के प्रोजेक्ट डायरेक्टर रतीश नंदा, IGNCA के सचिदानंद जोशी, JNU के मनिंद्र नाथ ठाकुर,गुजरात सेंट्रल यूनिवर्सिटी के वीसी आर एस दुबे, NBT के निदेशक श्रीमती नीरा जैन, GSDS के डायरेक्टर दीपंकर श्री ज्ञान जी छथिन्ह। मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल मिथिला सं बाहर भ रहल अछि। एकरा सफल बनएबाक दायित्व हमरा सभ पर अछि। आउ सभ गोटे मिल दिल्ली में सेहो एकरा सफल बनाबी।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु