दिल्ली मे रविदिन, 24 नवंबर के मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह

दिल्ली मे रविदिन, 24 नवंबर के अंतरराष्ट्रीय मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह भ रहल अछि। ई समारोह जनपथ पर स्थित भीमराव अंबेडकर अंतरराष्ट्रीय केंद्र मे भ रहल अछि। भीमराव अंबेडकर इंटरनेशनल सेंटर जनपथ आओर केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्टेशन के पास छै। एहिठाम सं ऑटो या पैदल पहुंच सकय छी। अंतरराष्ट्रीय मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह दिल्ली मे होय वाला सभ सं पैघ मैथिली कार्यक्रम अछि। विजय चंद्र झा जीक देखरेख मे भव्य कार्यक्रम होएत अछि। एहि मे केंद्रीय मंत्री संग मिथिलाक तमाम सांसद सेहो आबय छथिन्ह।

गीतनाद के बड्ड नीक कार्यक्रम होएत अछि। मोन प्रसन्न भ जाएत। एंट्री फ्री अछि। रवि दिन छुट्टी सेहो छै। सपरिवार आबि आनंद उठाउ।

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

दिल्ली मे सामा चकेवा

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

बिहार के एकटा आओर सम्मान

हमर विआह-10