गीतनाद के बड्ड नीक कार्यक्रम होएत अछि। मोन प्रसन्न भ जाएत। एंट्री फ्री अछि। रवि दिन छुट्टी सेहो छै। सपरिवार आबि आनंद उठाउ।
दिल्ली मे रविदिन, 24 नवंबर के मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह
दिल्ली मे रविदिन, 24 नवंबर के अंतरराष्ट्रीय मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह भ रहल अछि। ई समारोह जनपथ पर स्थित भीमराव अंबेडकर अंतरराष्ट्रीय केंद्र मे भ रहल अछि। भीमराव अंबेडकर इंटरनेशनल सेंटर जनपथ आओर केंद्रीय सचिवालय मेट्रो स्टेशन के पास छै। एहिठाम सं ऑटो या पैदल पहुंच सकय छी। अंतरराष्ट्रीय मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह दिल्ली मे होय वाला सभ सं पैघ मैथिली कार्यक्रम अछि। विजय चंद्र झा जीक देखरेख मे भव्य कार्यक्रम होएत अछि। एहि मे केंद्रीय मंत्री संग मिथिलाक तमाम सांसद सेहो आबय छथिन्ह।
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु