मैलोरंग क पूजा शर्मा आ मन्नू झा के संस्कृति मंत्रालय युवा रंगकर्मी छात्रवृत्ति लेल चयन

मैलोरंगक आ मैथिली रंगमंचक सशक्त अभिनेत्री पूजा शर्मा (प्रियदर्शिनी पूजा) आ युवा रंगकर्मी मन्नू कुमार झा संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार सं युवा रंगकर्मी छात्रवृत्ति लेल चयनित भेलथि। ई छात्रवृत्ति रंगमंचक उच्च

 स्तरक पढ़ाई लेल देल जाइत अछि। पूजा जी पिछला सात साल सं मैलोरंग सं जुड़ल छथि, दिल्ली यूनिवर्सिटी सं बीकॉम केलीह। कत्थक नृत्य मे शिक्षित सेहो छथि आओर मैलोरंगक संग कतेको नाटक केलीह। वर्तमान में मध्य प्रदेश नाट्य अकादमी मे चयनित भ शिक्षा ल रहल छथि।


 मन्नू झा अखन डीयू फाइनल ईयर में पढ़ि रहल छथिन्ह। पिछला दू साल सं मैलोरंग सं जुड़ल छथिन्ह आ 7-8 टा नाटक कs चुकल छथिन्ह। मन्नू जी मैलोरंग के सभसं युवा रंगकर्मी छथिन्ह। मैलोरंग के कर्ताधर्ता निर्देशक प्रकाश झा जी छथिन्ह। हिनकर नेतृत्व मे राजधानी दिल्ली मे मैथिली रंगमंच एकटा नव स्थान हासिल करलक। आजुक दिन मे दिल्ली मे जतेक मैथिली नाटक आ कार्यक्रम होएत अछि, ओतेक गाम घर दिस सेहो नहि होएत अछि। एहि लेल प्रकाश झा जकां रंगकर्मी बधाई के पात्र छथिन्ह।


पूजा आ मन्नू दुनु गोटे के बहुत रास बधाई आ शुभकामना। एहिना ई सब बढ़ैत रहथि मैथिली रंगमंचक नाम ऊंच करैत रहथि।

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

फेर अगुआ बनत बिहार

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

मोन मिथिले मे अछि...

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप