Skip to main content

दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम मे 24 दिसंबर के मिथिला संघक स्वर्ण जयंती समारोह

अखिल भारतीय मिथिला संघ 24 दिसंबर के दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम मे अपन स्वर्ण जयंती समारोह मनाबय जा रहल अछि. एहि अवसर पर गीत-नाद आ संगीतक कार्यक्रम सेहो होएत. कार्यक्रय के पैघ स्तर पर होए के कारण एकरा स्टेडियम मे कराएल
जा रहल अछि. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे एहि कार्यक्रम मे राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद जी सेहो अएताह। कई राज्य के एमएलए, एमपी सहित मंत्री सभ सेहो मौजूद रहताह।

पिछला दिन दिल्ली मे अखिल भारतीय मिथिला संघक लोगो आ संस्था गीतक लोकार्पण कएल गेल। दिल्ली मे पिछला पचास साल स मिथिलावासीक लेल कार्यरत अखिल भारतीय मिथिला संघक आकर्षक लोगो (प्रतीक चिह्न) आ संघक उद्घोष गान राज्यसभा सांसद श्री प्रभात झा एवं संघक अध्यक्ष श्री विजय चन्द्र झा लोकार्पित केलथि।



संघक लोगो हस्तशिल्प संस्था, मधुबनी स जुड़ल युवा कलाकार राकेश कुमार झा बनैलाह अछि, जाहि मे मिथिलाक सांस्कृतिक प्रतीक पाग, पान, मखान आ लोकदेवता सलहेसक घोड़ा के राखल गेल अछि। संस्थाक गीत डॉ. चन्द्रमणि जी लिखलन्हि अछि आ तकरा अपन स्वर देलथि अछि मैथिलीक प्रसिद्ध गायक अवनीन्द्र ठाकुर जी। एहि गीत मे मिथिलाक सांस्कृतिक विशेषताक संग अखिल भारतीय मिथिला संघक उद्देश्य आ पिछला पचास सालक उपलब्धिक उल्लेख भेल अछि। ई लोगो आ संस्थाक गीत अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा आगामी 24 दिसम्बर, 2017 क तालकटोरा स्टेडियम मे अपन स्वर्ण जयंती समारोह आयोजन लेल लोकार्पित कयल गेल अछि।



एहि अवसर पर स्वर्ण जयंती समारोहक स्वागताध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद प्रभात झा आ संघक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा जनतब देलन्हि जे लोगो आ संस्था गीत कोनो संस्थानक मूल परिचार होइतअछि। एहि संघक छत्रछाया मे देश आ विदेश मे पसरल मिथिलावासी के जोड़बाक प्रयास कयल जायत। सीताक जन्मस्थली पुनौरा धाम के पर्यटनक दृष्टि स विकसित कयल जायत आ एहि पवित्र भूमि के रामायण सर्किट स जोड़बाक अभियान मे सेहो अखिल भारतीय मिथिला संघ संग अछि। एहि लेल राज्यसभा मे सेहो स्वर उठाओल गेल अछि। तालकटोरा स्टेडियम मे आगामी 24 दिसम्बर क मैथिली कला, संस्कृति, भाषा आ साहित्य पर विचार मंथन करनिहार विद्वतजन के मिथिला विभूतिक नाम स स्थापित बाबा साहेब चौधरी, सर गंगानंद, नागार्जुन आ भोगेन्द्र झा सम्मान स सम्मानित कयल जेतन्हि।


अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा कहलन्हि जे संस्था दिल्लीक संग-संग मिथिला तक कला आ संस्कृति सहित मैथिली भाषाक विकासक लेल कतेको कार्य केलक अछि। मिथिला समाजक लेल संघक इहो प्रयास भेल जे मैथिली भाषा के संविधानक अष्टम सूची मे स्थान भेटल, राजधानी मे मैथिली अकादेमी स्थापित भेल। मिथिला क्षेत्र मे बड़ी लाइन बनल आ तेज गतिक ट्रेन चलब प्रारंभ भेल। संघ मिथिला क्षेत्रक कला, साहित्य सहित पुरा महत्वक स्थलक संवर्धन आ पर्यटनक विकास लेल सेहो लगातार प्रयासरत अछि। संघ बिहारक मिथिला क्षेत्रक संग-संग राजधानी दिल्ली मे रहनिहार मिथिलावासीक हित मे कतेको डेग उठौलक अछि। कैंसर रोगीक सहायता, मिथिलाक छात्र लोकन्हि के छात्रवृत्ति सेहो प्रदान केलक अछि। सत्तरिक दशक मे दिल्ली मे रहनिहार करीब 35 हजार प्रवासी मैथिली के राशन कार्ड बनाब मे निःशुल्क मदति केलक अछि। दिल्लीक गीता कालोनी मे लागल आगि स पीड़ित ओहिठामक लोक के 50 हजार रुपयाक गृह समान स मदति, बिहार मे 1987 मेआयल बाढ़िक समय संघ द्वारा ट्रेन सं एक बॉगी सामान ओहिठाम पठाओल गेल। 2008 मे बिहारक मुख्यमंत्री कोष मे 51 हजार टका आ दस बोरा सामान सेहो संघ देलक अछि।


विजय चन्द्र झा जी इहो कहनाए छलन्हि जे अखिल भारतीय मिथिला संघ मिथिला क्षेत्र लेल औद्योगिक विकासक संग-संग पुल-डैम निर्माण आ रोजगार बढ़ेबा लेल दिल्लीक वोट क्लब पर कतेको बेर प्रदर्शन केलक अछि। लोकसभा आ राज्यसभा मे कतेको बेर प्रश्न उठबौलक अछि। राजधानी दिल्ली मे मिथिला विभूतिक प्रतिमा लगायब आ सड़कक नामकरण लेल सेहो प्रयास क रहल अछि। अखिल भारतीय मिथिलासंघ आब प्रकाशन आ शोधकार्य एवं अध्ययन स संबंधित कतेको योजना पर कार्य क रहल अछि।

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...