Skip to main content

दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम मे 24 दिसंबर के मिथिला संघक स्वर्ण जयंती समारोह

अखिल भारतीय मिथिला संघ 24 दिसंबर के दिल्ली के तालकटोरा स्टेडियम मे अपन स्वर्ण जयंती समारोह मनाबय जा रहल अछि. एहि अवसर पर गीत-नाद आ संगीतक कार्यक्रम सेहो होएत. कार्यक्रय के पैघ स्तर पर होए के कारण एकरा स्टेडियम मे कराएल
जा रहल अछि. उम्मीद कएल जा रहल अछि जे एहि कार्यक्रम मे राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद जी सेहो अएताह। कई राज्य के एमएलए, एमपी सहित मंत्री सभ सेहो मौजूद रहताह।

पिछला दिन दिल्ली मे अखिल भारतीय मिथिला संघक लोगो आ संस्था गीतक लोकार्पण कएल गेल। दिल्ली मे पिछला पचास साल स मिथिलावासीक लेल कार्यरत अखिल भारतीय मिथिला संघक आकर्षक लोगो (प्रतीक चिह्न) आ संघक उद्घोष गान राज्यसभा सांसद श्री प्रभात झा एवं संघक अध्यक्ष श्री विजय चन्द्र झा लोकार्पित केलथि।



संघक लोगो हस्तशिल्प संस्था, मधुबनी स जुड़ल युवा कलाकार राकेश कुमार झा बनैलाह अछि, जाहि मे मिथिलाक सांस्कृतिक प्रतीक पाग, पान, मखान आ लोकदेवता सलहेसक घोड़ा के राखल गेल अछि। संस्थाक गीत डॉ. चन्द्रमणि जी लिखलन्हि अछि आ तकरा अपन स्वर देलथि अछि मैथिलीक प्रसिद्ध गायक अवनीन्द्र ठाकुर जी। एहि गीत मे मिथिलाक सांस्कृतिक विशेषताक संग अखिल भारतीय मिथिला संघक उद्देश्य आ पिछला पचास सालक उपलब्धिक उल्लेख भेल अछि। ई लोगो आ संस्थाक गीत अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा आगामी 24 दिसम्बर, 2017 क तालकटोरा स्टेडियम मे अपन स्वर्ण जयंती समारोह आयोजन लेल लोकार्पित कयल गेल अछि।



एहि अवसर पर स्वर्ण जयंती समारोहक स्वागताध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद प्रभात झा आ संघक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा जनतब देलन्हि जे लोगो आ संस्था गीत कोनो संस्थानक मूल परिचार होइतअछि। एहि संघक छत्रछाया मे देश आ विदेश मे पसरल मिथिलावासी के जोड़बाक प्रयास कयल जायत। सीताक जन्मस्थली पुनौरा धाम के पर्यटनक दृष्टि स विकसित कयल जायत आ एहि पवित्र भूमि के रामायण सर्किट स जोड़बाक अभियान मे सेहो अखिल भारतीय मिथिला संघ संग अछि। एहि लेल राज्यसभा मे सेहो स्वर उठाओल गेल अछि। तालकटोरा स्टेडियम मे आगामी 24 दिसम्बर क मैथिली कला, संस्कृति, भाषा आ साहित्य पर विचार मंथन करनिहार विद्वतजन के मिथिला विभूतिक नाम स स्थापित बाबा साहेब चौधरी, सर गंगानंद, नागार्जुन आ भोगेन्द्र झा सम्मान स सम्मानित कयल जेतन्हि।


अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा कहलन्हि जे संस्था दिल्लीक संग-संग मिथिला तक कला आ संस्कृति सहित मैथिली भाषाक विकासक लेल कतेको कार्य केलक अछि। मिथिला समाजक लेल संघक इहो प्रयास भेल जे मैथिली भाषा के संविधानक अष्टम सूची मे स्थान भेटल, राजधानी मे मैथिली अकादेमी स्थापित भेल। मिथिला क्षेत्र मे बड़ी लाइन बनल आ तेज गतिक ट्रेन चलब प्रारंभ भेल। संघ मिथिला क्षेत्रक कला, साहित्य सहित पुरा महत्वक स्थलक संवर्धन आ पर्यटनक विकास लेल सेहो लगातार प्रयासरत अछि। संघ बिहारक मिथिला क्षेत्रक संग-संग राजधानी दिल्ली मे रहनिहार मिथिलावासीक हित मे कतेको डेग उठौलक अछि। कैंसर रोगीक सहायता, मिथिलाक छात्र लोकन्हि के छात्रवृत्ति सेहो प्रदान केलक अछि। सत्तरिक दशक मे दिल्ली मे रहनिहार करीब 35 हजार प्रवासी मैथिली के राशन कार्ड बनाब मे निःशुल्क मदति केलक अछि। दिल्लीक गीता कालोनी मे लागल आगि स पीड़ित ओहिठामक लोक के 50 हजार रुपयाक गृह समान स मदति, बिहार मे 1987 मेआयल बाढ़िक समय संघ द्वारा ट्रेन सं एक बॉगी सामान ओहिठाम पठाओल गेल। 2008 मे बिहारक मुख्यमंत्री कोष मे 51 हजार टका आ दस बोरा सामान सेहो संघ देलक अछि।


विजय चन्द्र झा जी इहो कहनाए छलन्हि जे अखिल भारतीय मिथिला संघ मिथिला क्षेत्र लेल औद्योगिक विकासक संग-संग पुल-डैम निर्माण आ रोजगार बढ़ेबा लेल दिल्लीक वोट क्लब पर कतेको बेर प्रदर्शन केलक अछि। लोकसभा आ राज्यसभा मे कतेको बेर प्रश्न उठबौलक अछि। राजधानी दिल्ली मे मिथिला विभूतिक प्रतिमा लगायब आ सड़कक नामकरण लेल सेहो प्रयास क रहल अछि। अखिल भारतीय मिथिलासंघ आब प्रकाशन आ शोधकार्य एवं अध्ययन स संबंधित कतेको योजना पर कार्य क रहल अछि।

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर