दिल्ली प्रेस क्लब मे मिथिला महोत्सव

दिल्ली के प्रेस क्लब मे शनिदिन तेसर मिथिला महोत्सव केर आयोजन भेल. मैथिली गीतनाद, झिझिया आओर मैथिली नृत्य नाटिका पर लोक सभ झूमि उठलाह। एहि कार्यक्रम के आयोजन मैथिली पत्रकार ग्रुप के तरफ सं मैथिली भोजपुरी अकादमी आओर
प्रेस क्लब ऑफ इंडिया केर सहयोग सं कएल गेल। एहि मे सभ सं खास बात ई रहय जे कार्यक्रम मे शामिल कलाकार सभ मैथिल पत्रकार ग्रुप के सदस्य आओर हुनकर परिवार सं छलखिन्ह.



 एहि कार्यक्रम मे बीजेपी के उपाध्यक्ष प्रभात झा जी आओर राष्ट्रीय प्रवक्ता सुंधाशु त्रिवेदी जीके संग, दिल्ली के विधायक संझीव झा जी, मै​थिली भोजपुरी अकादमी के उपाध्यक्ष नीरज पाठक जी संबोधित सेहो करलाह। प्रभात झा जीक कहनाय छलन्हि जे मैथिली-मिथिलाक लsक अहां सभ लोक के समर्पण देखि मैथिल होए पर गर्व होएत अछि। सुंधाशु त्रिवेदी जीक कहनाय छलन्हि जे मिथिला लेल अखन काफी किछ करय के जरूरत अछि। जखन मिथिला मे विकासक बयार बहत तं देश मे अपने-आप विकासक बयार बहय लागत। हुनकर कहनाय छलन्हि जे मिथिलाक कण-कण मे इतिहास, सम्मान, पर्यटन बिखरल अछि एकरा संजोय क लोक सभ के बीच ल जाए के जरूरत अछि।


दिल्ली मे बनल एहि मैथिली पत्रकार ग्रुप मे दू सय सं बेसि पत्रकार शामिल छथिन्ह। एहि ग्रुप के तरफ सं साल भर कोनो नञि कोनो जनहित वाला कार्यक्रम के आयोजन होएत रहैत अछि। एहि सभ मे ग्रुप के महासचिव संतोष ठाकुर आओर पत्रकार मदन झा जीक विशेष योगदान रहय छनि। दिल्ली मे मैथिली पत्रकार के संग मैथिली लोक के संगठित करय और मिथिला-मैथिली के विकास के लेल ई ग्रुप काफी सक्रिय अछि।



Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)