प्रद्युमन के नाम पर सुरक्षा गाइडलाइन बनाबय पर विचार- प्रकाश जावड़ेकर

मिथिलाक नेना प्रद्युमन के हरियाणा मे गुरुग्राम के रेयान स्कूल मे भेल हत्या सं मिथिलाक संग पूरा देश सन्न अछि. एहि हत्या सं केंद्र सरकार सेहो विचलित अछि. केंद्र सरकार आब स्कूल मे सुरक्षा आओर संरक्षा लेल कड़ा नियम लागू करय जा रहल अछि. एहि बातक भरोस केंद्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री प्रकाश जावड़ेकर जी
देलखिन्ह। जावड़ेकर जी कहलाह जे प्रद्युमन केर सही श्रद्धांजलि देबय लेल सरकार कठोर सं कठोर नियम लागू करत जेहि सं एहन घटना फेर नहि होए.


बुध दिन संतोष ठाकुर जीके नेतृत्व मे मैथिल पत्रकार ग्रुप के किछ सदस्य हुनका सं भेंट क स्कूल केर सुरक्षा-संरक्षा लेल प्रद्युमन के नाम सं एकटा गाइडलाइन बनाबय के आग्रह करलखिन्ह। मंत्री जी एहि पर विचार करय के बात कहलखिन्ह। ओ स्वीकार करलखिन्ह जे प्रद्युमन के नाम पर गाइडलाइन बनला सं एहि नेना के सच्चा श्रद्धांजलि मिलतैन्हि. प्रकाश जावड़ेकर के एकटा ज्ञापन सेहो सौंपल गेलन्हि. एहि ज्ञापन मे अखन भ रहल पुलिस जांच के सीबीआई के सौंपय के मांग कएल गेल अछि.

प्रद्युमन लेल प्रेस क्लब मे प्रदर्शन
ज्ञापन मे स्कूल के लेल रेगुलेटर बनैनाय, सभ स्कूल मे पेरेंट-टीचर एसोसियेशन बनैनाय आओर ओकर विवरण स्कूलक वेबसाइट पर देनाय, स्कूलक सुरक्षा ऑडिट करैनाय, प्राइमरी-मिडिल-सीनियर सैकेंडरी लेल अलग टॉयलेट बनैनाय आओर प्राइमरी कक्षा केर टॉयलेट के बाहर आया केर तैनाती करनाय, स्कूल मे सभ ठाम सीसीटीवी लगैनाय, स्कूल मे बाहरी लोक केर प्रवेश पर रोक के संग स्टाफ लेल अलग टॉयलेट केर व्यवस्था करय केर मांग कएल गेल.

प्रद्युमन लेल प्रेस क्लब मे प्रदर्शन
प्रकाश जावड़ेकर जी कहलाह जे हुनकर मंत्रालय एहि पर तेजी सं काज करि रहल अछि. सोम दिन सं एकर असर देखनाय शुरू भ जाएत. सीबीएसई स जुड़य सभ स्कूल के सुरक्षा के बारे में जानकारी भेज देल गेल अछि. एहि लेल महिला एवं बाल विकास मंत्रालय के संग मिल क काज कएल जा रहल अछि. मंत्री जी इहो भरोस देलखिन्ह जे मैथिल पत्रकार ग्रुप केर सलाह-सुझाव के नियम मे शामिल करय के भरसक प्रयास कएल जाएत.

मंत्री जी के सौंपल गेल ज्ञापन के प्रति अहां सभ देख सकय छी- 


Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

हमर विआह-10

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

हमर विआह- 8

अहां केना सहैत होएब ?

किछ हरायल शब्द