Skip to main content

रिव्यू: एप्सन एल 485 ऑल इन वन इंक टैंक प्रिंटर

एप्सन एल 485 एकटा कॉम्पैक्ट, मल्टी फंक्शन ऑल इन वन प्रिंटर अछि। ई अहांके काफी कम खर्च मे मोबाइल ऐप के संग वाई-फाई आओर वाई-फाई डायरेक्ट केर सुविधा प्रदान करैत अछि। एहि प्रिंटर सं अहां अपन घर या ऑफिस, कतहुं बैसल-बैसल प्रिंट लs सकैत छी। एहिमे एकटा
एलसीडी स्क्रीन सेहो लागल अछि, जेहि सं  प्रिंट, फोटो कॉपी या स्कैन करनाय काफी आसान भs जाएत अछि।

एहि प्रिंटर में इंक के टैंक प्रिंटर सं बाहर होए के कारण इंकक लेवल देखैत रहनाय एकदम सं आसान अछि। एहिमे कॉर्टिरेज लगाबय आ फेर भरवाबय के झंझट सेहो नञि अछि। कॉर्टिरेज वाला प्रिंटर मे बेसि दिन पड़ल रहला पर इंक के सूखय के डर लगल रहैत अछि, जखन कि इंक टैंक प्रिंटर मे ऐहन नञि अछि। एहि कारणे इंक टैंक प्रिंटर मे खर्च कम पड़ैत अछि।


एप्सन एल 485 एकटा ऑल इन वन प्रिंटर अछि। एहि कारणे अहां एहि सं प्रिंट लेबय के संग स्कैन आ फोटो कॉपी सेहो कs सकैत छी। एप्सन आईप्रिंट, एयरप्रिंट आओर गूगल क्लाउड प्रिंट के संग, वाई-फाई आओर वाई-फाई डायरेक्ट सं सीधा प्रिंट लs सकैत छी। एतबे नहि एहि प्रिंटर मे अहां कतहुं सं इ-मेल सं सेहो प्रिंट लs सकैत छी। एहि प्रिंटर के एकटा पैघ खुबी एहि मे एसडी कार्ड लगा कs बिना कंप्यूटर ऑन करने प्रिंट लेबय के सुविधा सेहो अछि।

एहि एप्सन एल 485 प्रिंटर केर आगा दिस एकटा1.44 इंच केर एलसीडी स्क्रीन लागल अछि। ई एकदम सं एकटा छोटका फोन जकां अछि। एहि एलसीडी स्क्रीन सं प्रिंट, फोटो कॉपी आ स्कैन केर ऑप्शन चुननाय काफी आसान भs जाएत अछि। एहि स्क्रीन सं अहां प्रिंटर के सेटअप के संग फर्मवेयर अपडेट, नोजल चेक, हेड क्लिनिंग, हेड अलाइनमेंट सेहो कs सकैत छी।

एहि प्रिंटर मे अहां अपन मोबाइल सं सेहो प्रिंट लs सकैत छी। एहि लेल अहां के अपन मोबाइल मे एप्सन आईप्रिंट ऐप डाउनलोड करय पड़त। एहि ऐप सं अहां कतहुं सं प्रिंट के कमान दsक प्रिंट लs सकय छी। प्रिंटर के आगां मे एकटा एसडी कार्ड स्लॉट बनल अछि, एहि मे अहां मेमोरी कार्ड डालि कs बिना कंप्यूटर के सेहो प्रिंट लs सकैत छी।

एहि मे अहां काफी तेजी सं नीक क्वालिटी के प्रिंट लs सकैत छी। एहि मे ब्लैक प्रिंट 10 पेज आओर कलर प्रिंट 5 पेज प्रति मिनट के हिसाब सं निकलैत अछि। प्रिंट के संग एकर स्कैन आओर फोटो कॉपी केर क्वालिटी सेहो नीक अछि।


एहि Epson L485 में प्रिंट, स्कैन आओर फोटो कॉपी करनाए सेहो काफी सस्ता पड़ैत अछि। एक बेर एकर इंक टैंक फुल कs दिऔ तं अहां हाई क्वालिटी वाला कलर 7500 पेज आओर 4500 ब्लैक एंड व्हाइट पेज प्रिंट कs सकय छी। एहि में इंक भरनाए सेहो काफी आसान अछि। अगर अहां अपन घर या छोट-मोट ऑफिस लेल प्रिंटर लेबय चाहय छी तखन ई नीक ऑप्शन अछि। 16 हजार टका मे ई अहां लेल वैल्यू फॉर मनी अछि।

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर