नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

केंद्रीय विद्यालय मे भारी वेकैंसी

केंद्रीय विद्यालय संगठन मे नौकरी चाहय वाला लोक के लेल एकटा नीक खबर अछि. केंद्रीय विद्यालय संगठन मे नौकरी लेल 4,339 पोस्ट के वेकैंसी निकलल अछि.

केंद्रीय विद्यालय संगठन के उप-प्रधानाचार्य, वित्तीय अधिकारी, सहायक, एलडीसी, यूडीसी, स्टेनोग्राफर, हिंदी अनुवादक, सहायक संपादक से लsक टीजीटी-पीजीटी आओर लाइब्रेरियन तक के जरूरत अछि.

एहि सभ पोस्ट पर सरकारी नियम के
अनुसार रिजर्वेशन सेहो लागू अछि. एहि लेल वेकैंसी के ध्यान सं पढ़ि लेब.

सभ पोस्ट के लेल अलग-अलग शैक्षिक योग्यता आओर आयु सीमा तय अछि.

एकरा लेल अहां ऑनलाइन अप्लाई करि सकैत छी. सरकारी परीक्षा अछि ताही लेल अहां के फीस सेहो देबय पड़त जे  750 आओर 1200 टका तय कएल गेल अछि.

अप्लाई करय के लास्ट डेट 22 जून, 2015 अछि. ताही लेल देर नञि करि जल्दी सं नीक सं फॉर्म भरि दिअ.

बेसि जानकारी लेल अहां एहि लिंक के क्लिक करु- http://www.kvsangathan.nic.in/EmploymentDocuments/EMP-NTC-18-05-15.PDF

अहां सभ के हमर शुभकामना...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु