दरभंगा मे माथ पर चिपका देलक भूकंप केर स्टीकर

नेपाल आ बिहार मे आएल भीषण भूकंप सं पूरा दुनिया सदमा मे अछि... मुदा दरभंगा के डीएमसीएच के संवेदनहीनता देखिऔ जे भूकंप सं घायल लोक के माथ पर भूकंप केर स्टीकर चिपका देलक.

एहि बारे मे मीडिया मे खबर अएला आओर हो-हल्ला भेलाह के बाद मरीज के माथ सं
स्टीकर हटा लेल गेल अछि.

सरकार के तरफ सं एकर जांच केर आदेश द देल गेल अछि.

डीएमसीएच के कर्मचारी के कहनाय अछि जे सरकार के तरफ सं कहल गेल अछि जे भूकंप पीड़ित के खास ध्यान राखय लेल. अस्पताल मे काफी संख्या मे मरीज अछि. ओहि सं भूकंप मे घायल मरीज के कोनो परेशानी नहि होए आओर पहचान बनल रहय ताही लेल माथ पर भूकंपक स्टीकर लगा देल गेल.

डीएमसीएच अधीक्षक शंकर झा जीक कहनाय छनि जे हुनका जखने एहि बारे मे खबर मिललन्हि ओ स्टीकर के तुरंत हटाबय के आदेश देलखिन्ह.
फोटो साभार
   
बीजेपी नेता सुशील कुमार मोदी जीक कहनाए छनि जे ई एकदम अपमानजनक अछि. भूकंप सं घायल भेल लोक मरीज छथिन्ह कोनो कैदी नहि. अस्पताल के स्टीकर के जगह बेड पर कोनो कलर कोड लगयबाक चाही छल.
   
सरकार के तरफ सं भूकंप पीड़ित के फ्री इलाज भ रहल अछि. मुआवजा के बात सेहो अछि. एहन मे जखन किछ मरीज के माथ पर स्टीकर लगाएल गेल तं जिनका माथ पर नहि लागल छलन्हि ओ खुद जाsक स्टीकर लगाबय केर गुहार करय छलखिन्ह.

नहि तं बिहार मे एहन हाल अछि जे जिनका माथ पर स्टीकर नहि मिलल हुनका तं प्रशासन भूकंप पीड़ित मानय सं इनकार सेहो करि सकय छल. ओ तं हो-हल्ला भ गेल तैं नहि. नहि तं स्टीकर तं लागले रहैत.


Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

कि इहे सभागाछी अछि ?

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे मिथिला के जनजीवन आ पंचायती राज व्यवस्था पर भेल चर्चा

अलग मिथिला राज्य केर मांग भेल तेज, देखु जंतर-मंतर प्रदर्शन केर फोटो