आशा मिश्रा जीके साहित्य आकादमी सम्मान

आशा मिश्रा जीके मैथिली उपन्यास उचाट के लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेलन्हि. साहित्य अकादमी के अध्यक्ष विश्वनाथ त्रिपाठी जी हिनका एकटा ताम्र पत्र, शॉल आओर एक लाख टका के चेक द सम्मानित कएलखिन्ह.

दिल्ली के कमानी ऑडिटोरियम मे साहित्य
अकादमी क हीरक जयंती के मौका 24 भाषा केर लेखक सभ के साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेलन्हि.

आशा जीक अलावा सम्मानित होए वाला साहित्यकार मे उर्दू के लोकप्रिय शायर मुनव्वर राणा, हिन्दी के उपन्यासकार रमेशचंद्र शाह, कश्मीर के कवि शाद रमजान, संस्कृत के प्रभुनाथ द्विवेदी, पंजाबी के जसविंदर, मराठी के जयंत विष्णु नार्लीकर आओर अंग्रेजी के आदिल जसावाला शामिल छथिन्ह.

साहित्य अकादमी पुरस्कार लेल डॉ देवकांत झा, डॉ सुरेश्वर झा आओर डॉ शेफालिका वर्मा जी मैथिली चयन समिति के सदस्य छलखिन्ह.




Comments

Popular posts from this blog

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप