नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

PICS+ VIDEO- मैथिली साहित्य महासभा स्थापना समारोह

मैथिली साहित्य लेल ऐतिहासिक दिन. अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसक दिन दिल्ली मे मैथिली साहित्य महासभा केर स्थापना. मैथिली साहित्य के लेल एहि सं नीक दिन आओर कोन भ सकय छल.

दिल्ली के कंस्टीट्यूशन क्लब मे 21 फरवरी के मैथिली साहित्य महासभा स्थापना समारोह के आयोजन कएल गेल.

मैथिली साहित्य महासभा मे मैथिली भाषा के विकास पर
विद्वान लोकनि सभ अपन-अपन विचार प्रकट कएलखिन्ह.


समारोह के अध्यक्षता गंगेश गुंजन जी कएलखिन्ह. समारोह मे डॉ देवशंकर नवीन जीक कहनाए छलन्हि जे आजुक युग मे मैथिली के इंटरनेट पर सेहो अपन मजबूज उपस्थिति दर्ज करय पड़त.


डॉ शेफालिका वर्मा जी सेहो आधुनिक तकनीकी अपनाबय पर जोर देलीह.

डॉ चंद्रशेखर पासवान जीक कहनाए छलन्हि जे मैथिलीक विकास आ प्रचार-प्रसार लेल एकरा जाति बंधन सं मुक्त करय पड़त. ई सिर्फ ब्राह्मण-कायस्थ केर भाषा नहि बल्कि मिथिला मे रहय वाला सभ लोकनिक भाषा अछि.


समारोह मे अतिथि सभ के प्रतीक चिन्ह के रूप मे अन्नी मिश्रा जीक बनाओल मधुबनी पेन्टिंग द सम्मानित कएल गेलन्हि.














मंच संचालक किसलय कृष्ण जी करलाह. किसलय कृष्ण जीक ई खासियत छनि जे ओ केहनो सभा-समारोह मे अपन मंच संचालन सं जान लाबि दै छथिन्ह.

समारोह मे मैथिली साहित्य महासभा स्थापना केर प्रस्ताव संजीव सिन्हा जी राखलखिन्ह.

समारोह मे प्रवीण नारायण चौधरी, अमरनाथ झा, संजीव सिन्हा, हितेन्द्र गुप्ता, संजय झा “नागदह”, विमल जी मिश्र, ऋषि मलंगिया, सुमन कुमार आओर हेमन्त झाजी सेहो मौजूद छलाह.

1 टिप्पणी:

  1. REALLY NICE ARTICLE AND NEWS ABT FUNCTION OF MAITHILI SAHITYA SABHA IN CONSTITUTION CLUB, NEW DELHI- IN WHICH SENIOR POET MS SHAIFALIKA VERMA ALSO PARTICIPATED..

    CONGRATS TO U --
    FOR SHARING THIS VALUABLE NEWS-
    --OM SAPRA,
    SAHITYA SACHIV, MITRA SANGAM PATRIKA,
    N-22, DR. MUKHERJI NAGAR,
    NEAR BATRA CINEMA, DELHI-9
    M- 9818180932

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु