नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

जीतन राम मांझी होताह अगिला मुख्यमंत्री

जीतन राम मांझी बिहार के अगिला मुख्यमंत्री होताह. जेडीयू एमएलए मांझी नीतीश कुमार के काफी करीबी छथिन्ह. नीतीश कुमार खुद हुनकर नाम सामने राखलखिन्ह.

नीतीश जी सोम दिन सांझ मे मांझी जीके संग राज्यपाल सं मुलाकात करलखिन्ह आओर हुनका एहि बात के जानकारी देलखिन्ह.

मांझी जीके नाम पर शरद यादव
सेहो सहमत छथिन्ह.

जीतन मांझी जी गया जिला के रहय वाला छथिन्ह आओर महादलित समुदाय के मुसहर वर्ग सं ताल्लुक राखय छथिन्ह.

मांझी जीक जन्म गया जिला के महकार गांव मे 6 अक्टूबर 1944 के भेलन्हि.

मांझी जी एहिबेरक लोकसभा चुनाव मे गया सं ठाड़ छलखिन्ह मुदा मोदी लहर मे तेसर स्थान पर रहलाह. ओना मांझी जी अखन जहानाबाद के मखदूमपुर सं जेडीयू के विधायक छथिन्ह.

मांझी जी नीतीश सरकार मे एससी/एसटी कल्याण मंत्री छलखिन्ह. मांझी जी पर एहि सं पहिने शिक्षा घोटाला मे सरकार सं बाहर भs चुकल छथिन्ह मुदा आरोप सं बरी भेलाह पर फेर सं मंत्री बनल छलखिन्ह.

एहि सं पहिने लोकसभा चुनाव मे अपन पार्टी जेडीयू के हार के जिम्मेदारी लैत नीतीश कुमार मुख्यमंत्री पद सं इस्तीफा दs देने छलखिन्ह आओर एकरा वापस लए सं इनकार कए देने छलखिन्ह.

जकर बाद विधायक सभ हुनका नवका मुख्यमंत्री तय करय के अधिकार दs देने छलखिन्ह. एकर बाद नीतीश जी अपन पसंद के जीतन मांझी जी के नाम आगां करलखिन्ह.

नीतीश जी मांझी जी के मार्फत पार्टी आओर सरकार पर अपन नियंत्रण कायम राखय चाहय छथिन्ह.

अखन भेल लोकसभा चुनाव मे मिलल हार के देखैत नीतीश कुमार ई महादलित कार्ड खेललाह. बिहार मे अगिला साल विधानसभा चुनाव होए वाला अछि आओर नीतीश जी उम्मीद करय छथिन्ह जे एकर फायदा चुनाव मे मिलत.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु