नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिलाक मांगलिक कार्यक्रम- प्रमोद झा

धार्मिक मास कहय जायवाला बैशाख मास मे मांगलिक कार्यक्रम सं मिथिलाक गाम झूमि रहल अछि.

उपनयन संस्कार, मुंडन संस्कार, वैवाहिक कार्यक्रम, एकादशी यज्ञ सहित दोसर मांगलिक कार्यक्रम सं मिथिलाक करीब-करीब सभ गाम मंगलमय भs गेल अछि.

एहि मे खास कs मुजफ्फरपुर जिला के कटरा प्रखंडक जजुआर गामक
मिथिलेश पाठक ओतय पांचटा यज्ञोपवित कार्यक्रम सविधि संपन्न भेल. एहि के संग एकादशी यज्ञक आयोजन सेहो भेल.

ओम्हर मधुबनी जिलाक कोइलख गाम मे लाल मिश्र, पंकज झा, शंभु झा, धर्मनाथ ठाकुर, संजीव कुमार झा सहित गामक कतेको स्थान पर उपनयन संस्कार सहित अन्य मांगलिक कार्यक्रम विधानपूर्वक वैदिक मंत्रोतारक संग संपन्न भेल.

-प्रमोद झा, मधुबनी



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु