मिथिलाक मांगलिक कार्यक्रम- प्रमोद झा

धार्मिक मास कहय जायवाला बैशाख मास मे मांगलिक कार्यक्रम सं मिथिलाक गाम झूमि रहल अछि.

उपनयन संस्कार, मुंडन संस्कार, वैवाहिक कार्यक्रम, एकादशी यज्ञ सहित दोसर मांगलिक कार्यक्रम सं मिथिलाक करीब-करीब सभ गाम मंगलमय भs गेल अछि.

एहि मे खास कs मुजफ्फरपुर जिला के कटरा प्रखंडक जजुआर गामक
मिथिलेश पाठक ओतय पांचटा यज्ञोपवित कार्यक्रम सविधि संपन्न भेल. एहि के संग एकादशी यज्ञक आयोजन सेहो भेल.

ओम्हर मधुबनी जिलाक कोइलख गाम मे लाल मिश्र, पंकज झा, शंभु झा, धर्मनाथ ठाकुर, संजीव कुमार झा सहित गामक कतेको स्थान पर उपनयन संस्कार सहित अन्य मांगलिक कार्यक्रम विधानपूर्वक वैदिक मंत्रोतारक संग संपन्न भेल.

-प्रमोद झा, मधुबनी



Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत ?

केंद्र मे हारल बिहार...

हमर विआह- 8

कस्तूरबा गांधी विद्यालय खुलत

पूर्णिया मे सुखोई

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल