नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश से शरद यादव के मोहभंग!

जेडीयू के राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव के बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं मोहभंग भs गेलन्हि की? शुक्रदिन शरद जी नीतीश कुमार पर जमि पर बरसलाह.

शरद जी जे भाषण देलखिन्ह ओहि सं साफ देखा रहल अछि जे हिनका आओर नीतीश जीक बीच किछ-न-किछ खटपट जरूर चलि रहल अछि.

मुजफ्फरपुर मे जनता सं माफी मांगैत शरद यादव जी साफ कहलखिन्ह जे बिहार के बदहाली लेल ओ जिम्मेदार छथिन्ह...किएक कि ओ पहिने लालू यादव के आओर बाद मे नीतीश कुमार के सत्ता तक पहुंचय मे मदद पहुंचैलखिन्ह.

शरद यादव कहलखिन्ह जे नीतीश आओर लालू दूनु हिनका संग रहि राजनीति करलाह... मुदा दूनु जातिवाद के राजनीति सं खुद के ऊपर नहि उठा पएलाह. लालू जी राज्य के कि हाल करलाह से अहां सभ के पता अछि मुदा अफसोस ई अछि जे नीतीश जी सेहो हुनके रास्ता पर चलि रहल छथिन्ह.

ई पहिल बेर अछि जे शरद यादव अपने पार्टी के मुख्यमंत्री... ओहि मे अपन खास नीतीश कुमार के निशाना बनौलखिन्ह.

कि शरद जीके ऐना तं नहि लागि रहल छनि जे बिहार मे हुनकर पार्टी के सफाया भs रहल छनि? शरद जी के कतहुं एनडीए के साथ छोड़य के पछतावा तं नहि भs रहल छनि?

ओना बाद मे शरद यादव जी अपन बयान सं पलटि गेलखिन्ह आओर कलखिन्ह जे हुनकर बयान के गलत मतलब निकालल गेल.



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु