नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

हुकुमदेव, आजाद, शरद आओर फातमी मे सं के पहुंचताह दिल्ली?

बिहार मे चारिम चरण मे सात लोकसभा क्षेत्र मे करीब 58 प्रतिशत वोट पड़ल अछि. एहि वोट के संग हुकुमदेव यादव,

कीर्ति आजाद, शरद यादव आओर मो अली अशरफ फातमी जीक भाग्य फैसला ईवीएम मे बंद भs गेल.

एहि बेर चुनाव आयोग के सक्रियता...मतदाता जागरूकता, मौजूदा सरकार के प्रति लोक मे गुस्सा आ मोदी लहर के कारण लोक
बढ़ि-चढ़ि कs वोट देबय लेल आगां अएलाह.

एहि बेर भोरे सं लोक वोट देबय लेल लाइन मे लगि गेलाह. अगर प्रचंड गर्मी नहि रहैत तं वोट प्रतिशत आओर बेसि

रहैत.

बुध दिन 30 अप्रैल के दरभंगा, मधुबनी, मधेपुरा, झंझारपुर, समस्तीपुर, बेगूसराय आओर खगड़िया मे वोट पड़ल.

दरभंगा मे 57, मधुबनी मे 56, मधेपुरा मे 57, झंझारपुर मे 56, समस्तीपुर मे 55 , बेगूसराय मे 64 आओर

खगड़िया मे 55 प्रतिशत वोट पड़ल.

बुधदिनक चुनाव मे 94 उम्मीदवार के भाग्य के फैसला मशीन मे बंद भेल.

मधेपुरा सं जेडीयू अध्यक्ष शरद यादव के आरजेडी के राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव सं तगड़ा टक्कर मिल रहल छनि. हिनका जीताबय लेल खुद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन पूरा जोर लगौने छलखिन्ह.

दरभंगा मे मौजूदा एमपी कीर्ति आजाद एक बेर फेर आरजेडी के मो अली अशरफ फातमी जी सं अपन सीट बचाबय मे लागल छथिन्ह. कीर्ति आजाद एहि बेर बड़ टफ फाइट मे फंसल छथिन्ह. कांग्रेस- आरजेडी के चुनावी तालमेल आओर वोटक पोलराइजेशन के फायदा फातमी जीके मिल सकय छनि.

कीर्ति आजाद आओर मधुबनी के मौजूदा सांसद हुकुमदेव यादव जी अगर एहि बेर जीतय छथिन्ह तं एकर पूरा क्रेडिट मोदी लहर पर जाएत. नहि तं दुनू सांसद सं इलाका के लोक खुश नहि छथिन्ह.

मधुबनी मे हुकुमदेव जीके लालू यादव जीक पार्टी आरजेडी के उम्मीदवार अब्दुल बारी सिद्दिकी सं कांटा के टक्कर मिल रहल छनि. सिद्दिकी जीक एहि बेर कांग्रेसक पूर्व सांसद शकील अहमद जीक समर्थन सेहो मिल रहल छनि. स्थिति एहन अछि जे किछ नहि कहल जा सकैत अछि. आब तं बस 16 तारीख के काउंटिंग के इंतजार.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु