नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

URGENT: अमर उजाला सं पत्रकार बनय के नीक मौका

बीए पास छी आओर पत्रकार बनय चाहय छी तं हिंदी अखबार अमर उजाला अहांक लेल एकटा नीक मौका लsक आएल अछि.

पत्रकारिता के ड्रिगी के बिना पत्रकार बनय के एहन मौका बेर-बेर नहि मिलत. अगर अहां देश-दुनिया के हालात पर नीक नजर राखय छी. जनरल नॉलेज नीक अछि. पढ़य-लिखय के शौक अछि. हिंदी के संग- संग अंग्रेजी पर सेहो नीक पकड़ अछि. पत्रकार बनय
चाहय छी...पत्रकारिता मे अपन करियर बनाबय चाहय छी तं एहि मौका के जाए नहि दिअ.

अगर एहि अखबार मे पत्रकार लेल चुनल जाए छी तं अहांके एक साल तक पत्रकारिता के ट्रेनिंग देल जाएत. अहां के पत्रकारिता के गुर सीखाएल जाएत.

अखबार मे अहां के डेस्क, रिपोर्टिंग, एडिटिंग आओर प्रोडक्शन के बारे मे खुद पत्रकार सभ बतौताह. एहि सं अहां के सीखय लेल नीक मौका मिलत आओर पत्रकारिता मे मास्टर बनय के अवसर.

एहि के लेल अहां के 300 शब्द मे एकटा लेख लिख अपन रिज्यूमे...बॉयोडाटा के साथ एहि ईमेल- ets@del.amarujala.com पर भेजय पड़त.

बस ध्यान राखब अहां के पास समय नहि अछि. सिर्फ 30 अप्रैल तक के टाइम अछि. जल्दी सं आइए अखन अपन आवेदन भेज दिअ.

अहां अमर उजाला के वेबसाइट  http://www.amarujala.com/channels/downloads/से आवेदन पत्र डाउनलोड कs अप्लाई करि सकैत छी.

फॉर्म डाउनलोड नहि होए तं कोनो बात नहि बस अहां अपन फोटो के संग अपन बॉयोडाटा आओर 300 शब्द मे लिखल कोनो लेख या रिपोर्ट भेज दिऔ.


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु