नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

लैट्रिन नहि रहला पर दुल्हिन गेलीह नैहर

बिहार मे अखनो लाखों एहन घर अछि जतय शौचालय...लैट्रिन के सुविधा नहि अछि. मर्द सभ तं मैदान दिस चलि जाए छथिन्ह मुदा गाम-घर मे सभ सं बेसि परेशानी महिला सभ के होए छनि.

भोर मे पौ फटय सं पहिने आओर सांझ मे अन्हार होए के बादहिं महिला सभ घर सं नित्यक्रिया के लेल बाहर निकलय छथीह.

तबियत खराब भेलाह... बाढ़ि- बरसात आओर खराब मौसम मे तं
हिनकर सभक परेशानी आओर बढ़ि जाए छनि.

सरकार के तरफ सं शौचायल बनाबए के लेल बेर-बेर अभियान चलाएल जाएत अछि. आर्थिक मदद सेहो देल जाएत अछि. मुदा ओ आर्थिक मदद मिलनाए एतेक कठिन रहैत अछि जे लोक पक्का शौचालय बना नहि पाबय छथिन्ह.

एहन मे पटना के पास खगौल सं खबर अछि जे एकटा दुल्हिन ससुराल मे लैट्रिन नहि रहला पर नैहर चलि गेलीह.

महिला के कहनाए छनि जे लैट्रिन बनला पर वो सासुर जैतीह... मुदा नैहर चलि जाए सं सास-ससुर खिसया गेलखिन्ह.
हुनकर कहनाए छनि जे अहां हमरा सभ के बेइज्जत करि रहल छी... लैट्रिन तं जेहिआ बनए के होएत तेहिए बनत अहांके आबए के अछि तं आऊं नञि तं मायका मे बैसल रहुं.

नवविवाहिता के कहनाए छनि जे हम अपन ससुराल के बेइज्जत नहि रहल छी बल्कि अहां सभ के शौचालय के महत्व बताबए चाहय छी. अहांक घर के महिला अगर लैट्रिन लेल बाहर जाएत अछि तं कि ई अहांक इज्जत के बात अछि.

लोक सभ के सेहो एहि बात पर ध्यान देबाक चाही. घर मे शौचालय जरूर बनैबाक चाही. एहि सं कई तरहक बीमारी सं सुरक्षा सेहो मिलैत अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु