आब राबड़ी के खिलाफ नहि लड़ताह साधु

साधु यादव आब अपन बहिन राबड़ी देवी के खिलाफ सारण लोक सभा सीट सं नहि लड़ताह.

बिहार के पूर्व मुख्यमंत्री आओर आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव जीक साला साधु यादव (अनिरुद्ध प्रसाद) के कहनाए छनि जे आब वो सारण के बदला महराजगंज सं चुनाव लड़ताह.

एहि सं पहिने साधु यादव अपन बहिन राबड़ी देवी के खिलाफ सारण सं निर्दलीय चुनाव लड़य के घोषणा कएने छलखिन्ह. एहि सं एहिठाम के सियासी माहौल
गरमा गेल छल.

मुदा आब हुनकर कहनाए छनि कि समर्थक सभ चाहैत अछि जे हुनका महराजगंज सं चुनाव लड़बाक चाही. समर्थक के मांग पर वो ओहिठाम सं चुनाव लड़य जा रहल छथिन्ह.

साधु यादव इहो साफ कएलखिन्ह जे ओ ई फैसला कोनो दबाव मे नहि ल रहल छथिन्ह आओर एहि बारे मे हुनकर राबड़ी देवी आ लालू यादव किनको सं गप नहि भेलन्हि.

भाई साधु यादव के हटला के बाद आब राबड़ी देवी के सीधा मुकाबला बीजेपी के राजीव प्रताप रुडी सं छनि. एहि ठाम सात मई के वोट डालल जाएत.

Comments

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड