नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दिल्ली मे बिहार महोत्सव

दिल्ली में 25 सं 27 अप्रैल तक बिहार महोत्सव 2014 भs रहल अछि. छुट्टी के दिन होबए के कारण अहां सभ के एहि महोत्सव मे जरूर आबए के चाही.

एहि बिहार महोत्सव मे मिथिला- बिहार के लोक के लेल काफी किछ भs रहल छनि. एहिठाम अहां मधुबनी पेंटिंग, हस्तशिल्प प्रदर्शनी, पुस्तक प्रदर्शनी, लोकगीत, लोकनृत्य, ध्रुपद- ठुमरी आओर रसनचौकी के आनंद लs सकय छी.

बिहारी खानपान के सेहो उत्तम व्यवस्था कएल जा रहल अछि. चूड़ा-दही, लिट्टी-चोखा, खाजा, मनेरक लड्डू, पुड़ी-जलेबी, मुरही-कचरी, तिलकोर आओर
दलिपीट्टी सभक दिव्य व्यवस्था रहत. दिल्ली मे अहां एकरा मिस करब तं पछताएब.

बिहार महोत्सव बिहार सरकार के कला, संस्कृति एवं युवा विभाग के तरफ सं भs रहल अछि. एहि महोत्सव केर आयोजन बिहार ललित कला अकादमी, पटना आओर संगीत नाटक अकादमी, नई दिल्ली मिल-जुली के कs रहल अछि.

इहे सभ तं अछि जे दिल्ली- एनसीआर मे रहल वाया लोक सभ के अपना गाम-घर सं जोड़ैत अछि. शुक्र, शनि आ रवि दिन होए के कारण ऑफिस के झंझट सेहो नहि रहत. कोनो न कोनो दिन आबि अहां एहि महोत्सवक आनंद अवश्य उठा सकय छी.

बिहार महोत्सव स्थल तक पहुंचय मे अहां के बेसि कष्ट सेहो नञ उठाबय पड़त. महोत्सव मंडी हाउस मेट्रो के पास फिरोजशाह रोड पर स्थित रविन्द्र भवन मे भs रहल अछि. मंडी हाउस मेट्रो आ डीटीसी बस रूट से नीक सं जुड़ल अछि.

पता एक बेर फेर-
बिहार महोत्सव 2014
रविन्द्र भवन
फिरोजशाह रोड
नई दिल्ली-110001
कोनो दिक्कत होए तं अहां एहि नंबर पर फोन कs बेसि जानकारी लs सकय छी. फोन नंबर अछि-
099314-02398
090068-00178
098350-13107



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु