चारिटा बोगी बीच रास्ता मे छोड़ि दिल्ली चलल संपर्क क्रांति

ई बिहारे मे भ सकैत अछि. एकरा अहां लापरवाही के इंतहा कहि सकय छी. संपर्क क्रांति सुपरफास्ट एक्सप्रेस दरभंगा सं खुलल तं ट्रेनक सभ बोगी के संग...मुदा लहेरियासराय मे ट्रेन चारिटा बोगी...डिब्बा छोड़ि आगां दिल्ली लेल बढ़ि गेल.

दरभंगा से संपर्क क्रांति भोर मे आठ बजिsक 35 मिनट पर खुलैत अछि. शुक्रदिन सेहो टाइम पर खुलल. मुदा एहन कि भेल जे लहेरियासराय सं जखन ई ट्रेन खुलल त एकर चारिटा बोगी ओतय स्टेशने पर रहि गेल.

ओ चारिटा बोगी मे बैसल लोक सभ इंतजार करैत रहला आब खुलत.. त
तब खुलत. मुदा ट्रेन के नहि खुलला पर लोक सभ गाड़ी सं उतरि क देखय छथिन्ह त ट्रेन हुनकर सभब डिब्बा छोड़ि जा चुकल अछि.

एम्हर स्टेशन पर अफरा तफरी मचि गेल. लोक सभ हो-हल्ला करय लागलाह. तुरंत अगिला स्टेशन थलवारा पर फोन करि एकर सूचना देल गेल.

थलवारा मे ट्रेन रोकल गेल. गार्ड आओर ड्राइवर के बताओल गेल जे अहां सभ चारिटा डिब्बा लहेरियासराय मे छोड़ि दिल्ली जा रहल छी.

एहन मे संपर्क क्रांति के इंजिन के फेर वापस लहेरियासराय भेजल गेल. वापस आबि चारिटा डिब्बा के ल जा ट्रेन मे जोड़ल गेल.

एहि क्रम मे दरभंगा समस्तीपुर के बीच कइटा गाड़ी रुकल रहल. ऑफिस टाइम होए के कारण कई लोक दफ्तर देर सं पहुंचलाह.





Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?