नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

डॉ मोहन मिश्र के पद्मश्री सम्मान

मिथिलांचल के लेल एकटा नीक खबर अछि. एहि बेर गणतंत्र दिवस पर डॉ मोहन मिश्र जीके के पद्मश्री सम्मान देबय के घोषणा कएल गेल अछि.

चिकित्सा क्षेत्र में अमूल्य योगदान के लेल हिनका ई सम्मान मिलतन्हि.

डॉ साहेब अखन दरभंगा के बंगालीटोला मे रहय छथिन्ह. मुदा मोहन जीक जन्म 1937 मे मधुबनी जिलाक राजनगर प्रखंड के कोइलख गाम मे भेलन्हि. मोहन जी अनिरुद्ध
मिश्र जीक पुत्र छथिन्ह.

हिनकर एहि सम्मान सं कोइलख गाम आई गर्व महसूस करि रहल अछि.


मोहन मिश्र जी विश्व स्वास्थ्य संगठन...डब्ल्यूएचओ के संग मिलक कालाजार पर शोध क चुकल छथिन्ह. दरभंगा मेडिकल कॉलेज हॉस्पिटल...डीएमसीएच सं डॉक्टरी क आगां के पढ़ाई लंदन गेलखिन्ह.

बाद मे डॉ साहेब डीएमसीएच मे मेडिसीन के एचओडी सेहो बनलखिन्ह.हिनका लिखय-पढ़य सं विशेष लगाव छनि.  डॉ मिश्र कइटा किताब सेहो लिख चुकल छथिन्ह.

हिनका संग बिहार के एकटा आओर चिकित्सक सारण-छपरा के डॉ नरेंद्र कुमार पांडेय जीके सेहो पद्मश्री सम्मान देबय के घोषणा कएल गेल. नरेंद्र जी आईकाल्हि हरियाणा के फरीदाबाद मे रहय छथिन्ह. हिनका हरियाणा सरकार के सिफारिश पर ई सम्मान देल गेलन्हि.

अहां के ई जानि के अचरज होएत जे बिहार सरकार के तरफ सं एहि बेर सम्मान के लेल एको टा नाम के सिफारिश नहि कएल गेल छल.

डॉ मोहन मिश्र जी के जे सम्मान मिललन्हि ओ केंद्र के सिफारिश पर मिललन्हि. केंद्र सरकार के तरफ सं हर साल अक्तूबर तक राज्य सरकार सं पद्म सम्मान के लेल नाम मांगल जाएत अछि. मुदा बिहार सरकार के तरफ सं एकोटा नाम नहि भेजल गेल.

एहि बेर 127 लोग के पद्म सम्मान देल जा रहल अछि. एहि मे दू पद्म विभूषण, 24 पद्म भूषण आओर 101 पद्मश्री सम्मान अछि.




1 टिप्पणी:

  1. मिथिला के लेल ई गर्वक गप्प.. डॉ साहेब के बधाई आ धन्यवाद हुनक चिकित्सीय योगदान लेल |

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु