Skip to main content

बिहार मे दू टा एमपी बीजेपी मे शामिल

बिहार मे लोकसभा चुनाव सं पहिने बीजेपी के लेल नीक खबर अछि.

बांका सं लोकसभा सदस्य पुतुल कुमारी आओर सिवान सं सांसद ओम प्रकाश यादव सोम दिन बीजेपी मे शामिल भ गेलाह. दुनु निर्दलीय सांसद छथिन्ह.

पुतुल कुमारी अपन पति आओर सांसद दिग्विजय सिंह जीक मृत्यु के बाद 2010 मे चुनाव जीत एमपी बनलीह. दुनु गोटे सोमदिन दिल्ली मे बीजेपी के राष्ट्रीय अध्यक्ष राजनाथ सिंह
के सामने पार्टी मे शामिल भेलाह.

बिहार मे नीतीश कुमार जीक पार्टी जेडीयू सं गठबंधन खत्म भेलाह के बाद बीजेपी अपन पैठ बनाबय मे लागल अछि. एहि बेरक चुनाव मे लड़ाई दिलचस्प होएत.

रामविलास पासवान जी कांग्रेस के साथ तालमेल करय चाहय छथिन्ह. ओ चाहय छथिन्ह जे कांग्रेस हुनकर एलजेपी के संग लालू यादव जीक आरजेडी सं आ फेर नीतीश जीक जेडीयू सं गठबंधन करय.

फिलहाल एहिपर कांग्रेस कोनो मन नहि बनौलक अछि. लालू जी सेहो कांग्रेस पर अपन पार्टी संग तालमेल के लेल दबाव बनौने छथिन्ह. हुनकर कहनाय छनि जे एक संग नहि लड़ला के कारण पिछला बेर पार्टी के भारी नुकसान उठाबय पड़ल.

लालू जी आओर पासवान जी दुनु के माननाय छनि जे कांग्रेस के संग तालमेल करि बीजेपी के मात देल जा सकैत अछि.

एहि सभ के नजर मे राखि बीजेपी सेहो अपना के मजबूत करय मे लागल अछि. बीजेपी नरेंद्र मोदी के पक्ष मे चलि रहल हवा के फायदा उठाबय चाहैत अछि.

बीजेपी के इहो कहनाय अछि जे जखन तक हुनकर पार्टी के विधायक सभ सरकार मे मंत्री छलाह तखन धरि बिहार विकास के राह पर तेजी सं चलि रहल छल...मुदा गठबंधन खत्म भेलाह के बाद बिहार फेर लालू युग मे जा रहल अछि.

चुनाव करीब आबय के संग बीजेपी जनाधार वाला नेता के अपना साथ जोड़य मे लागि गेल अछि. अगिला किछ दिन मे आओर नेता सभ बीजेपी मे शामिल भ सकय छथिन्ह.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...