दिल्ली मे रवि दिन विद्यापतिक मणिमञ्जरीक मंचन

प्रकाश झा
मैलोरंगक सांस्कृतिक प्रतिबद्धता, विश्वसनीयता, मैथिली नाट्यकर्ममे उच्च स्तरीय उपलब्धि आ निरंतरताक लेल अपनेक स्नेह एहि समूह संग सदैव रहल अछि.

एहि बेर मैलोरंग रेपर्टरी अपन अथक प्रयास स’ कविकोकिल विद्यापतिक नाट्यकृति मणिमञ्जरीक मंचन क’ रहल अछि.

ई जानि आश्चर्यक संग हर्ष सेहो होयत जे एहि नाटकक ई पहिल मंचन थिक. विद्यापति लिखित
तीनू नाटकक मंचनक कोनो प्रमाण उपलब्ध नहि अछि. अपने स’ आग्रह जे मैलोरंगक एहि असाधारण डेगक प्रत्यक्षदर्शी अपने अवश्य होयब ई हमर सबहक आकांक्षा अछि.

अपने त’ हमर सबहक पाहुन हेबे करब संगहि आग्रह ईहो जे अपन परिवारक संग सुधि बंधु बाधव के सेहो विद्यापतिक एहि नाट्यकृतिक दर्शन हेतु अनियनि.

नाटक - मणिमञ्जरी

मूल रचना : विद्यापति
सम्पादन : डॉ. चन्द्रधर झा
पुणर्लेखन : प्रकाश झा
प्रस्तुति: मैलोरंग रेपर्टरी, दिल्ली

निर्देशन : प्रकाश झा

समय : सायं 06.30 बजे[ कृपया 06.15 बजे आबि क’ स्थान ग्रहण क’ ली]
दिनांक : 25 अगस्त, 2013[ रविदिन ]
स्थान : श्रीराम सेंटर, सफदर हाशमी मार्ग, मण्डीहाउस, नई दिल्ली ।

[ नोट: अपना संग कोनो आपत्तिजनक वस्तु नहि आबी आ पाँच साल स’ छोट बच्चाक प्रवेश निषेध अछि । कैमरा प्रेक्षागृह मे प्रतिबन्धित छैक ]


निवेदक- प्रकाश झा

Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ