नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आईएससी...ISc 2013 के रिजल्ट निकलल

बिहार इंटरमीडियट साइंस परीक्षा 2013... ISc के रिजल्ट निकलि गेल अछि. एहि बेरक रिजल्ट नीक कहल जा सकैत अछि.

रिजल्टक प्रतिशत 91.87 रहल अछि. एहि बेरक आईएससी परीक्षा मे तीन लाख 62 हजार 49 छात्र शामिल भेल छलखिन्ह.

बिहार इंटरमीडियट साइंस परीक्षा 2013... आईएससी के रिजल्ट अहां ऑनलाइन सेहो देख सकय छी. रिजल्ट देखय लेल अहां सरकारी
वेबसाइट www.biharboard.net पर जा सकय छी.

एहि बेरक आईएससी परीक्षा मे पटना के एसजीडीएम कॉलेज के जूही टॉप करलीह. हुनका कुल 420 अंक मिललन्हि.

बेगूसराय के एमआरजेडीआई कॉलेज के रौशन कुमार 417 मार्क लsक दोसर स्थान पर रहलखिन्ह.

वैशाली जिला के वीआर कॉलेज के वर्षा आओर मुंगेर जिला के बीएम कॉलेज के शेखर सुमन दुनू गोटे के 416...416 मार्क मिललन्हि आओर तेसर स्थान पर रहलखिन्ह.

एहि बेरक आईएससी पीक्षा मे 1 लाख 85 हजार 436 छात्र फर्स्ट डिवीजन... 1 लाख 43 हजार 259 सेकेंड आओर तीन  हजार 386 थर्ड डिवीजन सं पास करलखिन्ह.

रिजल्ट देखय लेल अहां क्लिक करु- आईएससी रिजल्ट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु