नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

यूपीएससी...आईएएस मे फेर लहरायल बिहारक परचम

यूपीएससी...आईएएस केर रिजल्ट मे एक बेर फेर बिहारक परचम लहराएल अछि. बिहार के शानदार कामयाबी हासिल भेल अछि.

बिहार के ज्यादातर छात्र दिल्ली जाsक आईएएस के तैयारी करय छथिन्ह एहि लेल कइटा सफल छात्रक गिनती बिहार के जगह दिल्ली सं भ जाएत अछि.

बिहार मे पढ़ाई लिखाई के हाल खराब होए के बादहुं एतेक कामयाबी मिलय के पाछां साफ कारण ई अछि जे बिहारी छात्र राज्य सं बाहर जाsक तैयारी करय छथिन्ह. जमिsक मेहनत करय छथिन्ह.

बिहार मे अपन मिथिलाक छात्र के जलवा छायल रहल अछि. रोसड़ा...समस्तीपुर के अजीतजी के
26 वां रैंक मिललन्हि. अजीत जी पहिनहुं यूपीएससी पास करि चुकल छलखिन्ह मुदा ओहि बेर आईएएस कैडर नहि मिलय के कारण फेर सं एक्जाम देलखिन्ह आ टॉप 26 मे आबि गेलखिन्ह.

मधुबनी जिला के सत्येंद्र कुमार जीके 71 वां रैंक मिललन्हि. सत्येंद्र जी सेहो पहिने IRS रहि चुकल छथिन्ह.
एहिना अंधराठाही...मधुबनी के अजीत वसंत जी 72 वां स्थान मिललन्हि.

सुपौल नवोदय विद्यालय के छात्र सुब्रत कुमार सिंह के 93वां स्थान प्राप्त भेलन्हि.
बेगूसराय के जिला के निशांत कुमार जीके 148 वां स्थाल हासिल भेलन्हि.

भोजपुर के ऋषि कुमार के 152 वां, भागलपुर के प्रशांत आनंद के 175 वां रैंक मिललन्हि.
बांका के कुमार अभिनव के 207 वां स्थान प्राप्त भेलन्हि.

मिर्जापुर...नवादा के उपेन्द्र नाथ वर्मा जीके 268 वां स्थान प्राप्त भेलन्हि. उपेन्द्र जी फिलहाल टीटीई के रूप मे काज करि रहल छथिन्ह.

किशनगंज के गणेश प्रसाद जी के 373 वां जखन की खगड़िया के राज तिलक रौशन जी के 383वां रैंक मिललन्हि.

मधेपुर के रोहित देव झा जी के 399 वां स्थान मिललन्हि. रोहित जीक संग सभसं पैघ गप ई अछि जे ओ मैथिली आओर लोक प्रशासन विषय सं आईएएस बनलाह.

बेगूसराय के सुजीत कुमार जीके 401 वां रैंक मिललन्हि.

बाढ़ के धीरज कुमार के 408 वां...वैशाली जिला के प्रभात कुमार को परीक्षा में 461 वां...पटना के आशुतोष कुमार के 457 वां... एकमा सारण छपरा के अभिषेक आनंद के 484 वां... नालंदा जिला के प्रभाकर प्रभात के 494 वां आओर बख्तियारपुर के आशीष कुमार को 495 वां स्थान प्राप्त भेलन्हि.

खुशी के एकटा गप इहो अछि जे 457 वां स्थान पाबय वाला आशुतोष कुमार सेहो मैथिली सं पास कएलखिन्ह.
भागलपुर इंजीनियरिंग कॉलेज सं नीलोत्पल ने 510 वां...बांका जिला के आनंद मोहन के 539 वां आओर कमलजीत कमल जीके 666 वां रैंक अएलन्हि.

एहिना भागलपुर के मो मुश्ताक के 722 वां...आओर मनीष कुमार चौधरी के 726 वां रैंक छनि.

पटना के साकेत कुमार जीके 748 वां... आशीष कुमार के 795वां आओर दयाशंकर जीके 827 वां रैंक मिललन्हि.

ऊपर देल गेल सभ नाम एम्हर-ओम्हर सं जुटाएल गेल अछि. अगर अहां के नाम...गाम मे किछ अंतर बुझाए तं hellomithilaa @ gmail पर मेल करि सकय छी.



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु