बिहार के 13 साल के सत्यम इंजीनियरिंग के लेल भेल संयुक्त प्रवेश परीक्षा जेईई पास करय वाला सभसं कम उम्र के छात्र बनि गेलाह.
सत्यम बिहार के भोजपुर जिला के बखोरापुर गाम के रहय वाला छथिन्ह. हिनकर पिता सिद्धनाथ सिंह जी खेती करय छथिन्ह.
सत्यम के एहि परीक्षा मे 292 मार्क मिललन्हि.
सत्यम सॉफ्टवेयर इंजीनियर बनय
चाहए छथिन्ह आओर फेसबुक जकां एकटा सोशल नेटवर्किग साइट बनाबय चाहय छथिन्ह.
सत्यम ओना एहि सं पहिने आईआईटी परीक्षा पास कएने छथिन्ह मुदा 8137 वां रैंक मिलय के कारण ओ फेर सं परीक्षा देलखिन्ह.
सत्यम के बारे में हिनकर मां-पिताजीक कहनाय छनि जे ओ जखन पांच साल के छलखिन्ह तखने रामायण... महाभारत याद करि चुकल छलखिन्ह.
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु