बिहार के 13 साल के सत्यम पास करलक इंजीनियरिंगक जेईई

बिहार के 13 साल के सत्यम इंजीनियरिंग के लेल भेल संयुक्त प्रवेश परीक्षा जेईई पास करय वाला सभसं कम उम्र के छात्र बनि गेलाह.

सत्यम बिहार के भोजपुर जिला के बखोरापुर गाम के रहय वाला छथिन्ह. हिनकर पिता सिद्धनाथ सिंह जी खेती करय छथिन्ह.

सत्यम के एहि परीक्षा मे 292 मार्क मिललन्हि.

सत्यम सॉफ्टवेयर इंजीनियर बनय
चाहए छथिन्ह आओर फेसबुक जकां एकटा सोशल नेटवर्किग साइट बनाबय चाहय छथिन्ह.

सत्यम ओना एहि सं पहिने आईआईटी परीक्षा पास कएने छथिन्ह मुदा 8137 वां रैंक मिलय के कारण ओ फेर सं परीक्षा देलखिन्ह.

सत्यम के बारे में हिनकर मां-पिताजीक कहनाय छनि जे ओ जखन पांच साल के छलखिन्ह तखने रामायण... महाभारत याद करि चुकल छलखिन्ह.


Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा