नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा बनल नकली नोट स्मगलरक अड्डा !!!


आई सोमदिनक जागरण अखबारक साइट पढ़ि सन्न रहि गेलहुं. खबर के मुताबिक दरभंगा... बिहार नकली नोट के स्मगलर सभक अड्डा बनल जा रहल अछि.

खबरक अनुसार नकली नोट के मामला मे बिहार मे सिर्फ इंडियन करंसी नहि बल्कि ऑस्ट्रेलिया, ओमान आओर दक्षिण अफ्रीका के करंसी सेहो छापल जा रहल अछि.

सभसं पैघ खुलासा तं ई भेल जे दरभंगा मे करीब 12 करोड़ के नकली इंडियन नोट छिपा
कs राखल गेल अछि.

ई खबर यूपी के शाहजहांपुर सं अछि. एहिटामक क्राइम ब्रांच के ई जानकारी एकटा स्मगलर सं मिलल अछि. जानकारी के मुताबिक एकर नेटवर्क यूपी, बिहार सं दिल्ली तक फैलल अछि.

खबर अछि जे 19 मार्च के दरभंगा के दूटा युवक सं चार लाख रुपया केर नकली करंसी बरामद कएल गेल छल. एहि गिरोह सं जुड़ल स्मगलर के अनुसार बिहार केर दरभंगा जिला में भारत के अलावा ऑस्ट्रेलिया, ओमान, साउथ अफ्रीका समेत कई देशक नकली करंसी डंप कएल जा रहल अछि. एतबे नहि नकली करंसी छापल सेहो जा रहल अछि.

फिलहाल ई छपाई कsत भ रहल रहल अछि एकर जानकारी नहि मिल पाएल अछि.

एहि खुलासा के बाद सरकारी तंत्र सक्रिय भ गेल अछि आओर जरूरी कदम उठाएल जा रहल अछि.

जागरण में खबरक लिंक-

http://www.jagran.com/uttar-pradesh/shahjahanpur-10283754.html



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु