सीतामढ़ी-मुजफ्फरपुर के बीच ट्रेन सेवा शुरू


सीतामढ़ी जिला के रून्नीसैदपुर सं मुजफ्फरपुर के लेल ट्रेन सेवा शुरू भ गेल.

सीतामढ़ी के एमपी अर्जुन राय और समस्तीपुर के डीआरएम अरूण मल्लिक मंगलदिन रून्नीसैदपुर सं मुजफ्फरपुर के लेल झंडा देखा ट्रेन रवाना कएलखिन्ह.

रून्नीसैदपुर मे न्यू रून्नीसैदपुर रेलवे स्टेशनक शिलान्यास
सेहो भेल. जकर सूरसंड गाम के लोक सभ विरोध करलखिन्ह.

सूरसंडsक लोक के कहनाए छनि जे जखन हुनकर गाम मे सैदपुर रेलवे स्टेशन बनि गेल अछि तखन सुरसंड सं सिर्फ 6 किलोमीटर दूर रून्नीसैदपुर मे नवका रेलवे स्टेशन बनाबए के कोन जरूरत अछि.

सीतामढ़ी आओर मुजफ्फरपुर के बीच ट्रेन शुरू होए सं लोक सभ के काफी सुविधा होएतन्हि. फिलहाल समस्तीपुर सं दरभंगा... सीतामढ़ी होएत मुजफ्फरपुर के बीच ट्रेन चलनाए शुरू भेल अछि.

अखन तं दूए जोड़ी ट्रेन शुरू भेल अछि. धीरे-धीरे एकर संख्या बढ़ाएल जाएत.



Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?