नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सीतामढ़ी-मुजफ्फरपुर के बीच ट्रेन सेवा शुरू


सीतामढ़ी जिला के रून्नीसैदपुर सं मुजफ्फरपुर के लेल ट्रेन सेवा शुरू भ गेल.

सीतामढ़ी के एमपी अर्जुन राय और समस्तीपुर के डीआरएम अरूण मल्लिक मंगलदिन रून्नीसैदपुर सं मुजफ्फरपुर के लेल झंडा देखा ट्रेन रवाना कएलखिन्ह.

रून्नीसैदपुर मे न्यू रून्नीसैदपुर रेलवे स्टेशनक शिलान्यास
सेहो भेल. जकर सूरसंड गाम के लोक सभ विरोध करलखिन्ह.

सूरसंडsक लोक के कहनाए छनि जे जखन हुनकर गाम मे सैदपुर रेलवे स्टेशन बनि गेल अछि तखन सुरसंड सं सिर्फ 6 किलोमीटर दूर रून्नीसैदपुर मे नवका रेलवे स्टेशन बनाबए के कोन जरूरत अछि.

सीतामढ़ी आओर मुजफ्फरपुर के बीच ट्रेन शुरू होए सं लोक सभ के काफी सुविधा होएतन्हि. फिलहाल समस्तीपुर सं दरभंगा... सीतामढ़ी होएत मुजफ्फरपुर के बीच ट्रेन चलनाए शुरू भेल अछि.

अखन तं दूए जोड़ी ट्रेन शुरू भेल अछि. धीरे-धीरे एकर संख्या बढ़ाएल जाएत.



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु