नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

गुजरात के पछाड़ि बिहार बनल सभसं तेजी से बढैत राज्य

विकास के मामला मे गुजरात के पछाड़ि बिहार सभसं तेजी सं आगां बढ़ैत राज्य बनि गेल अछि.

योजना आयोग के अनुसार बिहार 10.9 प्रतिशत आर्थिक वृद्धि दर के संग गुजरात सं आगां बढ़ि गेल अछि.

आयोग के कहनाए अछि जे 2001-05 साल मे बिहार 2.9 वृद्धि दर के संग सभसं सुस्त
गति सं आगां बढ़ए वाला राज्य छल मुदा 2006 सं 2010 के बीच ई वृद्धि दर 10.9 प्रतिशत पर पहुंचि गेल.

जखन कि गुजरातक वृद्धि दर 2006 सं 2010 के बीच सिर्फ 9.3 प्रतिशत रहल.

योजना आयोग के कहनाए अछि जे बिहार आब बीमारु राज्य नहि रहल. तेजी सं विकास करि रहल अछि. तेजी सं आगां बढ़ि रहल अछि.

ई तं नीक खबर अछि मुदा योजना आयोग एकरे संग एकटा कष्ट वाला खबर इहो द देलक जे बिहार के विशेष राज्यक दर्जा नहि मिलत. किएक कि बिहार एकर पात्र नहि अछि. एकरा लेल जे मापदंड अछि बिहार ओहि मे फिट नहि बैसेत अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु