गुजरात के पछाड़ि बिहार बनल सभसं तेजी से बढैत राज्य

विकास के मामला मे गुजरात के पछाड़ि बिहार सभसं तेजी सं आगां बढ़ैत राज्य बनि गेल अछि.

योजना आयोग के अनुसार बिहार 10.9 प्रतिशत आर्थिक वृद्धि दर के संग गुजरात सं आगां बढ़ि गेल अछि.

आयोग के कहनाए अछि जे 2001-05 साल मे बिहार 2.9 वृद्धि दर के संग सभसं सुस्त
गति सं आगां बढ़ए वाला राज्य छल मुदा 2006 सं 2010 के बीच ई वृद्धि दर 10.9 प्रतिशत पर पहुंचि गेल.

जखन कि गुजरातक वृद्धि दर 2006 सं 2010 के बीच सिर्फ 9.3 प्रतिशत रहल.

योजना आयोग के कहनाए अछि जे बिहार आब बीमारु राज्य नहि रहल. तेजी सं विकास करि रहल अछि. तेजी सं आगां बढ़ि रहल अछि.

ई तं नीक खबर अछि मुदा योजना आयोग एकरे संग एकटा कष्ट वाला खबर इहो द देलक जे बिहार के विशेष राज्यक दर्जा नहि मिलत. किएक कि बिहार एकर पात्र नहि अछि. एकरा लेल जे मापदंड अछि बिहार ओहि मे फिट नहि बैसेत अछि.

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?