Skip to main content

शैफालिका वर्मा, अरूणाभ सौरभ आओर महेंद्र जी के अकादमी पुरस्कार


शैफालिका वर्मा, अरूणाभ सौरभ आओर महेंद्र नारायण राम जी के एहि साल 2012 के साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित कएल जएतन्हि.

एकर घोषणा साहित्य अकादमी के कार्यकारी अध्यक्ष विश्वनाथ तिवारी आओर कार्यकारी सचिव केएस राव जी करलाह.

हिन्दी के कवि चंद्रकांत देवताले जीक संग 24 लेखक के साहित्य अकादमी के अकादमी पुरस्कार से सम्मानित कएल जएतन्हि.

एकरे संग 20 भाषा के लेल युवा पुरस्कार आओर 24 किताबके लेल
अनुवाद पुरस्कार के घोषणा सेहो कएल गेल.

हिन्दी मे चंद्रकांत देवताले के कविता संग्रह ‘पत्थर फेंक रहा हूं’ के अकादमी पुरस्कार के लेल चुनल गेल. इकरे संग जीत थाइल (अंग्रेजी), दर्शन बुट्टर (पंजाबी), आईदान भाटी (राजस्थानी), कृष्ण कुमार तूर (उर्दू), रामजी ठक्कर (संस्कृत), गुणोर मोसाहारी (बोडो), बालकृष्ण भौरा (डोगरी), एचएस शिवप्रकाश (कन्नड़), माखनलाल कंवल (कश्मीरी), काशीनाथ शांबा लोलयेंकार (कोंकणी) आओर के. सच्चिदानंदन (मलयालम) के काव्य संग्रह के लेल सम्मानित कएल जएतन्हि.

उपन्यासकार चंदना गोस्वामी (असमिया), सुब्रत मुखोपाध्याय (बांग्ला), जोध छी सनसन (मणिपुरी) आओर डी. सेल्वराज (तमिल) के संग चंद्रकांत टोपीवाला (गुजराती) के समालोचनात्मक कृति आओर शैफालिका वर्मा (मैथिली) के आत्मकथा के लेल पुरस्कृत कएल गेलन्हि.

जयंत पवार (मराठी), उदय थुलुड (नेपाली), गौरहरि दास (ओडिया), गंगाधर हांसदा (संथाली), इंद्रा वासवानी (सिन्धी) आओर पी सुब्बारामय्या (तेलुगु) के कहानी संग्रह के लिए सम्मान मिलतन्हि.

18 फरवरी के दिल्ली मे ई पुरस्कार देल जएतन्हि. पुरस्कार मे उत्कीर्ण ताम्रफलक, शाल आओर एक लाख रूपया देल जएतन्हि.

एकरे संग साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार कुणाल सिंह (हिन्दी), अमन सेठी (अंग्रेजी), परगट सिंह (पंजाबी), दिगंत लावारी (बोडो), और सुश्री मलारवती (तमिल) को उपन्यास, कमल कुमार तांती (असमिया), यश रैणा (डोंगरी) जतुष जोशी (गुजराती), आरिफ राजा (कन्नड), अरूणाभ सौरभ (मैथिली), सुश्री लोपा आर. (मलयालम), ओम नागर (राजस्थानी) आओर प्रवीण पंड्या (संस्कृत) के कविता संग्रह, सादिक हुसैन (बांग्ला) एवं सृष्टिश्री नायक के कहानी संग्रह, फारूख शाहीन (कश्मीरी) एवं नमन धावस्कर सावंत (कोंकणी) के साहित्यिक आलोचना, धर्मकीर्ती सुमंत (मराठी) के नाटक आओर गजन्फर इकबाल (उर्दू) के निबंध के लेल युवा पुरस्कार देल जएतन्हि.
  
अनुवाद के लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार रामजी तिवारी (हिन्दी), एमएल तंगप्पा (अंग्रेजी), महेंद्र नारायण राम (मैथिली), पूर्ण शर्मा ‘पूरन’ (राजस्थानी), सतीश कुमार वर्मा (पंजाबी), भागीरथी नंद (संस्कृत), अतहर फारूखी (उर्दू), गीता उपाध्याय (नेपाली), हिरो ठाकुर (सिंधी), प्रशांत कुमार मोहंती (ओड़िया), जी. नंजुन्दन (तमिल), आर वेंकटर राव (तेलुगु), पंकज ठाकुर (असमिया), ओइनम नीलकंठ सिंह (बांग्ला), स्वर्णप्रभा चैनारी (बोड़ो), शशि पठानिया (डोगरी), शालिनी टोपीवाला (गुजराती), केके नायर एवं अशोक कुमार (कन्नड), अब्दुल अहद हाजिनी (कश्मीरी), गुरूनाथ शिवाजी केलेकार (कोंकणी), आनंद (मलयालम), ई. सोनामणि (मणिपुरी), रवीन्द्रनाथ मुमरू (संताली) और शारदा साठे (मराठी) के देल जएतन्हि.


ओना सेव मिथिला सेव मैथिली के तरफ सं एहि बारे मे एकटा शिकायत सेहो मिलल अछि. अहां ओहि शिकायत के देख सकय छी-

I am sending you the news clipping to make you aware of what is happening in Maithili language in Sahitya Akademi. The annual award of Sahitya Akademi is yet to be declared by the executive council of the Sahitya Akademi but in Maithili its convener Vidyanath Jha Vidit has already leaked this report to the media. Sir, this report mentions that the book over which Shefalika Verma was given award has been published by the Sekhar Prakashan. We Maithil suspect that Mr Vidit has some dubious dealing with Sekhar Prakashan in managing the award. It is a serious matter that how such a confidential report was deliberately leaked to the media. We strongly object this matter an action should be initiated against Mr Vidit. 

-save Mithila save Mithila

 

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर