आजुक राति मिथिलाक लेल अहम



 मिस यूनिवर्स प्रतियोगिता मे छायत मिथिलाक शिल्पा सिंहक जलवा!

अमेरिका के लास वेगास मे 19 दिसंबर बुधदिन मिस यूनिवर्स 2012 चुनल जाएत. एहि मिस यूनिवर्स प्रतियोगिता मे भारत के प्रतिनिधित्व करि रहल छथीह मिथिलाक शिल्पा सिंह.

मिस यूनिवर्स कंटेस्ट मे शिल्पा सिंह के जलवा छाएल अछि. सभ इंडियन के माननाए छनि जे एहिबेर ई ताज एक बेर फेर इंडिया आएत.

ओना तं फैसला 19 दिसंबर के मिस यूनिवर्स 2012 चुनल जाएत मुदा
भारत के समय के देखय जाए तं अहां के एकर पता 20 दिसंबर के भोर मे साढ़े छह बजे चलत.

शिल्पा मूलरुप से समस्तीपुर जिला के सिंधिया के दीहा गाम के छथीह. ओना हिनकर जन्म 27 फरवरी 1987 के मुजफ्फरपुर मे भेल छनि. शिल्‍पा के घरक नाम बिट्टी छनि.





शिल्‍पा के दादा स्व. परमेश्वरी नारायण सिंह किसान छलखिन्ह. शिल्पा जीक पिता सुरेश कुमार सिंह मुंबई मे इंडियन ऑयल के प्रधान कार्यालय मे वरिष्ठ अभियंता छथिन्ह.

शिल्पाक पढ़ाई-लिखाई मुजफ्फरपुर, जमशेदपुर, रांची और मुंबई मे भेल छनि. शिल्पा मुंबई के एसवीकेएम यूनिवर्सिटी सं कम्‍प्‍यूटर साइंस में बीटेक कएने छथीह. शिल्‍पा फिलहाल इंफोसिस कंपनी में कार्यरत छथीह.

मिस यूनिवर्स 2012 प्रतियोगिता मे 89 देशक टक्कर अछि मुदा शिल्‍पाक गाम दीहा सं ल क सभ मिथिलावासी के माननाए छनि जे एहि बेर शिल्पा जरूर मिस यूनिवर्स बनतीह.

हमर शुभकामना शिल्पा जीक संग छनि अहां सभ सेहो प्रार्थना करिऔ.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा