नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रंगमञ्चसँ होएत मैथिली सिनेमाक विकास: एडीजी

रंगमञ्चसँ मैथिली सिनेमाक विकास होएत. फिल्म बनत तँ भाषा, संस्कृतिक संग विविध क्षेत्रमे मिथिलाक विकास होएत. ई बात अपर पुलिस महानिरीक्षक राकेश कुमार मिश्र कहलनि.

ओ मैथिली फिल्म अकादमी दिससँ रमेश्वर लता संस्कृत महाविद्यालयमे फिल्म फेस्टिवलक
लेल आयोजित बैसारमे अध्यक्षीय भाषण कऽ रहल छलाह.

ओ कहलनि जे एहि ठामक रहनिहार एखनो मैथिली सिनेमा देखबा लेल हॉलमे नञि जाइ छथि. आवश्यकता अछि जे कमसँ कम फिल्म-प्रेमी लोकनिकेँ सिनेमाक प्रदशर्न कऽ देखबा लेल प्रेरित कएल जाए.

ओ कहलनि जे फिल्म फेस्टिवलकेँ व्यापक स्वरूप देबाक अपेक्षा छोटो स्तरपर कएल जाए. एहि अवसरपर आकाशवाणी दरभंगाक कार्यक्रम अधिशासी डा. प्रभात नारायण झा कहलनि जे योजनाबद्ध ढंगसँ मुख्य समितिक अतिरिक्त उप-समितिक गठन कऽ तैयारीकेँ आगाँ बढ़ाओल जाए.

ओतहि पूर्व उपमहापौर प्रबोध कुमार सिन्हा मैथिलीक संग आनो भाषाक फिल्मकेर प्रदर्शन फेस्टिवलमे करबाक आग्रह केलनि. ओ प्रदर्शित सिनेमाकेँ टैक्स फ्री करेबाक लेल प्रयास करबाक सुझाओ देलनि. बैसारमे प्रो. टुनटुन झा अचल, गीतकार डॉ. चन्द्रमणि सेहो अपन विचार रखलनि.

आरम्भमे संस्थाक संयोजक शशिमोहन भारद्वाज आयोजनकेँ लऽ तैयारीक सन्दर्भमे जानकारी देलनि. अमलेन्दु शेखर पाठक केर सञ्चालनमे सम्पन्न बैसारमे विनोद कुमार, अमरेश्वरी चरण सिन्हा, हीरेन्द्र लाभ, डॉ. अशोक कुमार महेता, डॉ. ममता ठाकुर, नवेन्दु शेखर पाठक, नवीन कुमार चौधरी, विपिन कुमार मिश्र, रोशन कुमार मैथिल सहित शहरक कतेको गणमान्य लोकनि उपस्थित छलाह.

रिपोर्ट: रौशन कुमार झा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु