नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अगिलगीमे तीनटा दोकान सुड्डाह

दरभंगा नगर थाना क्षेत्रक उमा सिनेमा हॉल लग तीन गोट दोकान शुक्रक राति आगि लगबासँ सुड्डाह भऽ गेल. ओतहि अगिलगीसँ उठल धुआँसँ पाँच गोटे बोहोश भऽ गेलाह.

एहि घटनामे सात लाखक क्षतिक अनुमान लगाओल जा रहल
अछि. घटना राति 11 बजे केर अछि. स्थानीय लोकक अनुसार जाकिर अंसारी कॉम्पलेक्स लग इण्डिया मोबाइल गैलरी नामक दोकानसँ आगि पसरल जे यूनिक इलेक्ट्रोनिक आ इरशाद बुक डिपो धरि पसरि गेल.

काम्पलेक्समे धुआँ भरि जेबाक कारणेँ एकर पहिल महलपर रहऽ वाला पाँच गोट छात्रक दम फूलऽ लागल आ ओ लोकनि बेहोश भऽ गेलाह. सभकेँ इलाज लेल डीएमसीएचमे भर्ती कराओल गेल.

इण्डिया मोबाइल गैलरीक दोकानादार हामिद मुजफ्फर 2.5 लाख, यूनिक इलेक्ट्रोनिक केर मो. खैयाम 3.5 लाख आ इरशाद बुक डिपोक मो. इरशाद 70 हजार टाकाक नोकसानक बात कहै छथि.

एहि सन्दर्भमे नगर थानामे एक गोट आवेदन सेहो देलनि अछि. आगि एतेक जोरगर छल जे दोसर महलपर रहऽ वला लोक सभकेँ सेहो भागि कऽ जान बचबऽ पड़लनि.

सूचनापर पहुँचल अग्निशमन वाहन आगिपर काबू पौलक

रिपोर्ट: रौशन कुमार झा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु