Photo Noida Sector 34: छठि पर्व केर भोरका अर्घ्य



मंगलदिन भोरका अर्घ्य के संग छठि पर्व सम्पन्न भ गेल. बिहार, यूपी, दिल्ली एनसीआर के संग देश भर मे छठि पर्व मनाओल गेल. मुदा छठि पर्व खासतौर पर पूर्वी यूपी आओर बिहार सं जुड़ल लोक के महापर्व अछि.

एक तरहे देखय जाय तं
रोशनी के पर्व दिवाली, ओणम, होली सभ ठाम के लोक अपना-अपना तरहे मनाबय छथिन्ह मुदा एकटा छठि मइया के पर्व अछि जे खास बिहारी-पूर्वी यूपी के लोक के पर्व अछि.

शुरू-शुरू मे छठि बाढ़ि प्रभावित इलाका सं शुरू भ पूरा इलाका के पर्व बनि गेल. एहि पर्व मे साफ-सफाई, शुद्धता पर विशेष ध्यान देल जाएत अछि.

ठेकुआ, भुसबा, फल-फूल, कुसिआर के संग पूजा होएत अछि. नदी कात आ फेर गाम-घर मे पोखर मे ठाड़ भ सूर्य भगवान के अर्घ्य देल जाएत अछि.

दुनिया मे एकमात्र छठि एहन पर्व अछि जेहि मे उगैत आओर डूबैत दुनू सूर्य के अर्घ्य द पूजा कएल जाएत अछि.

एहिठाम हम अहां लेल दिल्ली सं सटल नोएडा सेक्टर 34 मे भेल छठि केर किछ फोटो राखि रहल छी.




































































Comments

  1. हितेंद्र जी आपने इन फोटो के माध्यम से हमारे सामने छठ पूजा का जीवंत दृश्य प्रस्तुत कर दिया है, आप बधाई के पात्र हैं, छठी मां सब पर कृपा करें......

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

पूर्णिया मे सुखोई

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

हमर विआह-10

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

बिहार के एकटा आओर सम्मान

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

भाई बहिन केर प्रेमक पावनि सामा-चकेवा...

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)