Skip to main content

ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-1

अहां सभ ब्लॉग सं जुड़ल छी... लेख, कविता, कहानी लिखय छी...गाना, फोटो आ वीडियो डालय छी. मुदा एहि सं अहां के एको टका कमाई नहि होएत अछि. आई हम अहां के बताबए जा रहल छी जे अहां अपन ब्लॉग से लाखों रुपया कमाई क सकय छी.

ब्लॉग से हजारों-लाखों रुपया कमाए करनाए कोनो पैघ गप
नहि अछि. बस अहां के एहि मे जुटल रहय पड़त आओर किछ तरीका अपनाबय पड़त.

अहां सभ के पास कैमरा वाला मोबाइल फोन होएत...डिजिटल कैमरा होएत. अहां सभ एहि सं फोटो-वीडियो लैत होएब. एकरा अहां फेसबुक...ट्विटर...ऑर्कुट जकां दोसर सोशल नेटवर्किंग साइट पर डालैत सेहो होएब. मुदा अहां के एहि सभ सं एकोटा पाई नहि मिलैत होएत.

आब ओ बात नहि... आब अहां अपन खींचल एहि वीडियो से कमाई करि सकैत छी.

एहि के लेल कइटा तरीका अछि. सभ सं लोकप्रिय तरीका अछि गूगल यूट्यूब के. यूट्यूब पर तं अहां सभ जरूर गेल होएब. एहि पर दुनिया भर के वीडियो रहैत अछि. एहि पर लोक सभ अपन-अपन वीडियो डालैत छथिन्ह.
एहि मे लोक सभ अपन गाना, तीर्थयात्रा, पूजापाठ सं लsक शादी-विवाह तक के फोटो डालए छथिन्ह. अहां सेहो कइटा वीडियो एहिपर अपलोड कएने होएब. मुदा अहां अखन धरि एहि सं कमाई नहि कएने होएब.

कमाई करय के लेल सभ सं जरूरी यूट्यूब पर अहां के अपन सही अकाउंट होबाक चाही. अगर नहि अछि तं गूगल जीमेल सं यूट्यूब पर रजिस्टर करि एकटा खाता खोलि लिअ.

एहिके बाद एकर पार्टनर वाला सेगमेंट मे जाsक एकर पार्टनर बनि जाउ. पार्टनर बनए लेल एहि लिंक के क्लिक करु    http://www.youtube.com/partners

पार्टनर बनि गेलाह पर अहांक वीडियो जतेक लोक देखताह ओहि के हिसाब सं कमीशन गूगल यूट्यूब अहां के देत.

बेसि पाई कमाई लेल अहां के जल्दी-जल्दी नीक क्लाविटी के वीडियो अपलोड करय पड़त. जतेक नीक क्वालिटी...एचडी क्वालिटी के वीडियो होएत ओतेक नीक रहत.

कमाई बेसि भेलाह पर अहां सभ किछ छोड़ि सिर्फ एहि काज सं नीक पाई कमा सकय छी.

मुदा एकटा चीज ध्यान राखब ओ वीडियो अहां के अपन होबाक चाही. ओहि के बैकग्राउंड मे ओहन कोनो फिल्म के गाना नहि सुनाय पड़य जकर कॉपीराइट अहां के पास नहि अछि.

अगर अहांक वीडियों के स्टैंडर्ड गूगल यूट्यूब के जकां नहि अछि तं ओ अहां के खाता स्वीकार नहि करत. एहि लेल नीक क्वालिटी के वीडियो अपलोड करय के कोशिश करब.

कई बेर लोक सभ कोनो प्रोग्राम के वीडियो लोड करि ओहि सं कमाए करय चाहय छथिन्ह मुदा ओहि कार्यक्रम के कइटा गाना फिल्मी आ कोनो ऑडियो...म्यूजिक कंपनी के अधिकार में होएत अछि. ओहि पर दोसर लोक के कॉपीराइट रहैत अछि. एकरा ध्यान पर राखब. एहि गाना वाला वीडियो के ओ अपने आप बैन करि दैत.

अहां एहि के लेल शादी-विवाह... मुंडन... कोजगरा... सभागाछी...दुर्गा पूजा... इंद्र पूजा किछओ के वीडियो डालि सकय छी. पोखर सं माछ मारैत...मखान निकालैत जे चाही से वीडियो डालि सकय छी.

जेहि वीडियो मे अहां के लागय जे ओ अहां के अपन ऑरिजनल नहि अछि ओहि मे अहां मॉनिटाइजिंग बटन क्लिक नहि करब. ओ ओहिना राखब.

जखन यूट्यूब पर वीडियो अपलोड करल भ जाए तं ओहि वीडियो के लिंक के अहां अपन फेसबुक... ट्विटर... ऑर्कुट आओर दोसर नेटवर्किंग साइट पर डालैत रहुं. लोक सभ के देखाबैत रहुं.

आओर हां अहां अपन ओहि यूट्यूब वीडियो के अपन ब्लॉग...साइट पर पोस्ट करनाय नहि भूलब.

अपन प्रोफाइल पेज पर ओहि वीडियो के जिक्र करु. अपन दोस्त सभ के ओकरा देखय आओर ओहि पर अपन विचार देबय लेल कहिऔ. जतेक लोक देखता ओतेक टका मिलत.

आई के लेल ई काफी अछि... दोसर दिन आओर दोसर ठाम वीडियो डालय आ फेर ओकर वीडियो अपन ब्लॉग साइट पर डालि पाई कमाई के गप पर चर्चा करब.

अहां अपन कमेंट...विचार...राय कमेंट के क्लिक करि द सकैत छी. किछ पूछय के होए तं पूछि सकैत छी. धन्यवाद.

                     ब्लॉग...साइट पर वीडियो लगाउ आओर खूब कमाउ-2
 

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर