मुंबई मे बिहार दिवस

मुंबई मे रवि दिन 15 अप्रैल के बिहार शताब्दी उत्सव समारोह मनाएल जाएत. एकर सभ तैयारी पूरा भ गेल अछि. बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शनि दिन पटना सं दिल्ली जएताह फेर दिल्ली सं मुंबई पहुंचताह.

मुंबई मे होए वाला एहि कार्यक्रम के ल क काफी विवाद सेहो भेल. महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के प्रमुख राज ठाकरे के कहनाय छल जे महाराष्ट्र मे बिहार दिवस
नहि मनाएल जाएत.

मुदा शुक्र दिन नीतीश जीक राज ठाकरे के संग भेल बात के बात सभ मामला सुलैझ गेल अछि. राज ठाकरे के कहनाय अछि जे ई सांस्कृतिक कार्यक्रम अछि आओर एकरा राजनीति सं कोई लेना दोना नहि अछि.

राज ठाकरे इहो कहलक जे हुनकर बात के बतड़ंग बना देल गेल छल. बिहार के सौ साल पर होए वाला एहि कार्यक्रम से हुनका भला कोन आपत्ति होएत.

राज ठाकरे के कहनाय छल जे ओ अहि बात पर प्रतिक्रिया जतौने छलखिन्ह जेहि मे नीतीश जीक तरफ सं कहल गेल छल जे मुंबई जाए लेल कोनो वीजा के जरूरत नहि अछि. ओना दू दिन पहिने एकटा सभा मे राज ठाकरे नीतीश जीक प्रशंसा कएने छलखिन्ह.

जे होए मामला शांत रहै सेहे नीक. बस मुंबई मे बिहार शताब्दी उत्सव समारोह होए सं मतलब अछि. एहि मे नहि तं ककरो हार अछि नहि ककरो जीत. बात के जतेक बढाएब ओतेक बढत.

मुंबई मे होए वाला समारोह मे उदित नारायण, मनोज तिवारी आओर बिहारक कइटा कलाकार शामिल होएताह. एहि समारोह मे 18 बिहारी के सम्मानित सेहो करय के कार्यक्रम अछि जे मुम्बई मे विशेष नाम
कमौने छथिन्ह आ मुंबई के विकास मे विशेष योगदान देने छथिन्ह.

समारोह मुंबई के सोमैया मैदान मे होएत.

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

केंद्र मे हारल बिहार...

फेर अगुआ बनत बिहार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)