नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रेल बजट में मिथिला- बिहार


एहि बेरक रेल बजट मे रेल मंत्री दिनेश त्रिवेदी 75टा नवका एक्सप्रेस ट्रेन आओर 21टा पैसेंजर गाड़ी चलाबय केर एलान करलखिन्ह. किछ ट्रेनक फेरा सेहो बढ़ाएल गेल अछि.

मिथिला बिहार के लेल क तरहे एहि गेल बजट के मिलल जुलल कहल जा सकैत अछि. कइटा नव ट्रेनक घोषणा भेल आ पुरान परियोजना के पूरा करय के बात सेहो करल गेल.

किछ नवका ट्रेन एहि तरहे
अछि...
दरभंगा-सिकंदराबाद एक्सप्रेस (सप्ताह मे दू बेर),
पटना-बिलासपुर एक्सप्रेस (साप्ताहिक),
हावड़ा- रक्सौल (एक्सप्रेस सप्ताह मे दू बेर),
कोलकाता-जयनगर एक्सप्रेस (साप्ताहिक),
छपरा-लखनऊ एक्सप्रेस (सप्ताह मे तीन दिन),
छपरा-मंडुआडीह इंटरसिटी एक्सप्रेस,
दरभंगा-अजमेर एक्सप्रेस (साप्ताहिक),
भुवनेर भवानी पटना लिंक एक्सप्रेस: विजयानगरम भsक रोज


एकरे संग कामाख्या-लोकमान्य तिलक टर्मिनस एसी एक्सप्रेस (साप्ताहिक)  कटिहार भ क चलत आओर बैरकपुर आजमगढ एक्सप्रेस: झाझा बलिया भ क चलत.
रेल बजट में


12537-12538-मंडुआडीह बापूधाम मोतिहारी एक्सप्रेस के मुजफ्फरपुर तक,
19051-19052-वलसाड सोनपुर एक्सप्रेस के मुजफ्फरपुर तक,
12945-12946-सूरत वाराणसी एक्सप्रेस के छपरा तक,
13237-13238, 13239-13240 पटना मथुरा एक्सप्रेस के कोटा तक आओर
13155-13156 कोलकाता दरभंगा एक्सप्रेस के सीतामढी तक बढ़ा देल गेल अछि.

बिहार के लेल नीक बात ई अछि जे एहि बेरक रेल बजट मे कइटा स्टेशन के आदर्श स्टेशन बनाएल जाएत. 
एहि मे बेगूसराय, नवादा, जीरादेई, जोगबनी, फारबिसगंज, घोड़ासहन, जनकपुर रोड आओर सुपौल शामिल अछि.

रेल मंत्री दिनेश त्रिवेदी इहो कहलखिन्ह जे छपरा रेल पहिया कारखाना जल्दीए शुरू करि देल जाएत. रेल बजट मे कटरीहा-कुरसेला, मुजफ्फरपुर-नरकटियागंज-गोरखपुर, दरभंगा-समस्तीपुर आओर छपरा-बलिया रेल लाइन के दोहरीकरण के बात कहल गेल अछि.

एकरे संग बनमनखी-पूर्णिया, सहरसा-सरायगढ़ आओर थावे-छपरा के बीच आमान परिवर्तन आओर खगड़िया-अलौली, चंडी-बिहारशरीफ और हरनगर-कुशेश्वर स्थान के बीच नवका रेललाइन के काज पूरा करय के बात कहल गेल अछि.

मिलाजुला क मिथिलाक लेल एहि बेरक रेल बजट बेसि नीक नहि तं बेजाय सेहो नहि अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु