नीतीश कुमार जीके गेट्स इनोवेशन अवार्ड

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीके गेट्स वैक्सीन इनोवेशन अवार्डक लेल चुनल गेल अछि.

ई सम्मान हुनका टीकाकरण के क्षेत्र मे नीक काज करय लेल देल जएतन्हि. नीतीश जी गेट्स वैक्सीन इनोवेशन अवार्ड' पाबय वाला दुनिया के पहिल व्यक्ति छथिन्ह.

नीतीश कुमार जीके ई अवार्ड बिल एवं मेलिंडा गेट्स
फाउंडेशन के ओर से देल जएतन्हि. मुख्यमंत्री जी फाउंडेशन के तरफ सं अवार्ड के लेल आएल आग्रह के स्वीकार करि लेने छथिन्ह. विदेश मंत्रालय के तरफ सं सेहो मंजूरी मिल गेल छनि.

पुरस्कार मे ढ़ाई लाख डॉलर मिलतन्हि.  फाउंडेशन के मुताबिक राज्य मे चलल टीकाकरण अभियान के कारण पोलियो के मरीज के संख्या मे काफी कमी आएल अछि.

माइक्रोसाफ्ट कंपनी के संस्थापक बिल गेट्स अपन पत्नी मेलिंडा गेट्स के संग बिहार के यात्रा सेहो करि चुकल छथिन्ह. एहि यात्रा के दौरान मिथिला के दौरा सेहो करने छलखिन्ह.

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा