स्‍थानीय कवि‍ परि‍षद (सलहेसबाबा परि‍सर- औरहा, प्रखण्‍ड- लौकही)क चारि‍म वार्षिकोत्‍सव- 2012- (रिपोर्ट पूनम मण्डल)


आइ दि‍नांक- 27 जनवरी 2012 (शुक्र दि‍न) स्‍थानीय कवि‍ परि‍षदक चारि‍म वार्षिकोत्‍सव-2012क अवसरपर सम्‍मान समारोह आ कवि‍ सम्‍मेलन श्री उमेश पासवानक संजोजकत्‍वमे सुसम्‍पन्न भेल। स्‍थान- सलहेसबाबा परि‍सर- औरहा, प्रखण्‍ड- लौकही, जि‍ला- मधुबनी, समए- 11: 00 बजे (पूर्वाहन)सँ संध्‍या 5 बजे धरि‍ कार्यक्रम
चलैत रहल। कार्यक्रमकेँ दीप प्रज्‍वलि‍त क' वि‍धि‍वत् उद्घाटन केलनि‍ वनगामा (उत्तरी) पंचायतक मुखि‍या श्री दयानंद साह आ सरपंच श्री नूनू साहजी। मैथि‍ली साहि‍त्‍यक श्रेष्‍ठ कथाकार, नाटकरकार, उपन्‍यासकार आ कवि‍ श्री जगदीश प्रसाद मंडल, एकैसम् शताब्‍दीक पहि‍ल दशकक सर्वश्रेष्‍ठ कवि‍ श्री राजदेव मंडल आ कवि‍ श्री अच्‍छेलाल शास्‍त्री जीकेँ नव वस्‍त्रक संग प्रो राधाकृष्‍ण चौधरी लि‍खि‍त ‘मि‍थि‍लाक इति‍हास’ आ मैथि‍ली साहि‍त्‍यक सर्वश्रेष्‍ठ बाल-साहि‍त्‍य ‘मि‍थि‍लाक लोकदेवता’ (श्रीमती प्रीति‍ ठाकुर) पोथीसँ सम्‍मानि‍त कएल गेलनि‍। सम्‍मान समारोहक अध्‍यक्षता केलनि‍ श्री मि‍थि‍लेश सि‍ंह (शि‍क्षक, मध्‍य वि‍द्यालय- महदेवा, मधुबनी) आ मंच संचालन श्री दुर्गानंद मण्‍डल आ संजीव कुमार शमा।
कार्यक्रमकेँ आगाँ बढ़ाओल गेल श्री राधाकान्‍त मण्‍डलक स्‍वलि‍खि‍त स्‍वागत गीत- हे मि‍थि‍लावासी कवि‍वर, स्‍वागत हमर स्‍वीकार करू....सँ। ‘आशासँ फूलक माला लेने हम ठाढ़......’ सुन्‍दर गीतसँ प्रो. उपेन्‍द्र नारायण अनुपमजी सेहो स्‍वागत केलनि। तकरबाद स्‍वागत भाषण प्रस्‍तुत केलनि‍ प्रो. कपि‍लेश्वर साहु जी आ स्‍वागत कवि‍ताक अति‍वि‍शि‍ष्‍ठ पाठ केलनि‍- श्री रामवि‍लास साहुजी। पहि‍ल सत्रक समापनक बाद दोसर सत्र प्रारम्‍भ भेल जइमे लगभग 2 दर्जनसँ बेसी कवि‍ लोकनि‍ अपन-अपन नूतन कवि‍ताक पाठ केलनि‍ जे ऐ तरहेँ भेल-
अवकाश प्राप्‍त शि‍क्षक- श्री दुखन प्रसाद यादव- गरीबी, गणतंत्र, हमर भारत छै, श्री नंदवि‍लास राय- मानवता, शि‍क्षि‍त बेरोजगार, लक्ष्‍मी दास- लौटि‍या, अखि‍लेश कुमार मण्‍डल- जि‍नगी, रामवि‍लास साहु- प्रेमक भूखल, माघक जाड़, हमर गाम घर, उमेश मण्‍डल- आगाँ अबै जाउ, आत्‍म वि‍श्वास, अढ़ाइ हाथ, प्रो. उपेन्‍द्र नारायाण साह- छी कनी, प्रो. कपि‍लेश्वर साह- गामक घटक, श्री वि‍रेन्‍द्र कुमार यादव- मारल बुइध, श्री हेमनारायण साह- व्‍यथा, श्री कुसुम लाल मंडल- ठाढ़ी, श्री राजदेव मंडल- कामना, श्री अच्‍छेलाल शास्‍त्री- हवा बहैत अछि‍ सन-सन-सन, श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल- कि‍छु सि‍खू कि‍छु करू, उमेश पासवान- रगड़ा, संजीव कुमार शमा- भेल छने अन्‍हार, गप मजगर कह, प्रो. रमेश कुमार मंडल- आत्‍म-हत्‍या, अहि‍ना श्री आशीष कुमार सि‍ंह, श्री अमरनाथ यादव, संजय कुमार सि‍ंह, सोनेलाल यादव, रामप्रवेश मंडल, राधाकान्‍त मंडल आदि‍।
   
ऐ अवसरपर लौकही थानाध्‍यक्ष श्री राज कि‍शोर बैठा, श्री गुप्‍ता प्रसाद सि‍ंह, एस. आइ. लौकही, मधुबनी, छि‍न्नमस्‍ति‍का एफ.एम, राजवि‍राज, नेपालसँ आएल प्रमोद प्रि‍यदर्शी, भूतपूर्व सरपंच श्री रामनारायण यादव, शि‍क्षक श्री सत्‍य नारायण मण्‍डल, डंगराहा पंचायतक भूतपूर्व मुखि‍या श्री रामप्रीत मंडल जीक संग-संग लगभग पाँच सएसँ ऊपर लोक समारोहमे भाग लेलनि‍।
‘वि‍देह’ मैथि‍ली पोथी प्रदर्शनीसँ ग्रामीण सभमे काफी हर्ष देखबामे आएल।






















































































समाचार- पूनम मण्‍डल

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?