Skip to main content

Posts

Showing posts from December, 2011

पांच हजार डॉक्टर आओर एक लाख स्वास्थ्यकर्मीक बहाली

लगैत अछि बिहार सरकारक नजर आखिरकार स्वास्थ्य क्षेत्र पर सेहो गेल. बिहार मे स्वास्थ्य सेवा केर हाल बड़ खराब अछि. एक तं बिहार मे मेडिकल कॉलेज के कमी अछि. जे मेडिकल कॉलेज अस्पताल अछिओ ओहि मे आम लोक के नीक इलाज नहि भ रहल अछि. डॉक्टर सभ मरीज के प्राइवेट इलाज

मैट्रिक परीक्षाक तारीख मे बदलाव आओर टीईटी परीक्षा 18 फरवरी के

प्राथमिक स्कूल के शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीईटी) पिछला दिन 20 आओर 21 दिसंबर के भेल छल. मुदा ओहि परीक्षा मे काफी लोक शामिल नहि भ पाएल छलखिन्ह. लाखों उम्मीदवार के पास एडमिट कार्ड नहि पहुंचि पाएल छलन्हि. एकरा देखैत सरकार विशेष

अंशुमाला जीक वापसी

मैलोरंगक मिथिलोत्सव 2011 मे लोक के लेल सभ सभ सं सुखद रहल गायिका अंशुमाला जीक वापसी. अंशुमाला जी काफी दिन सं बीमार चलि रहल छलीह. अंशुजीक लेल सभ मैथिल ईश्वर सं प्रार्थना करय छलखिन्ह जे ओ जल्दीए नीक होएतीह. विनीत उत्पल जी सन किछ लोक तं हिनका

मिथिला राज्य के लेल दिल्ली मे धरना-प्रदर्शन

बिहार सं अलग मिथिला राज्य के लेल दिल्ली के जंतर-मंतर पर धऱना देल गेल. मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर कार्यकर्ता दोसर संस्था सभ के संग धरना-प्रदर्शन पर बैसलाह. भीख नहि अधिकार चाही...हमरा मिथिला राज्य चाही के नारा लगाबैत कार्यकर्ता सभ दिसंबर के एहि कुहरा देबय वाला दिल्ली के सर्दी मे माहौल के

दिल्ली मे छाएल ललका पाग

आई अहां बड़ नीक लगै छी... मन होएs जे आई अहां सं एक बेर फेर सं विवाह कs ली. दिल्ली के श्रीराम सेंटर, मंडी हाउस मे जखन ललका पाग के नायिका नायक सं ई गप कहय छथीह... तखन ऑ़डिटोरियम मे मौजूद...

माछक निर्यात करत बिहार

बिहार जल्दीए माछक निर्यात करय वाला राज्य बनि जाएत. ई कहनाय छनि बिहार के पशु आओर मत्स्य संसाधन मंत्री गिरिराज सिंह जीक. गिरिराज सिंह जी राज्यक उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी जीक संग दरभंगा निषात महापंचायत मे आएल छलाह. मोदी जी एहि ठाम कहलन्हि जे अगिला पांच साल

ठंड के कारण स्कूल बंद

बिहार मे शीतलहरीक कहर के देखैत राज्य के सभ स्कूल के बंद करि देल गेल अछि. सरकार के तरफ सं कहल गेल अछि जे राज्य केर सभ सरकारी आओर प्राइवेट स्कूल अगिला आदेश धरि बंद रहत. स्कूल कहिआ सं खोलल जाए एकर फैसला ठंडक असर के देखि करि करल जाएत. अपन मिथिलाक कई इलाका मे तं हफ्ता भर सं सूर्य देव के दर्शन नहि भेलन्हि. ओना पटना दिस रवि दिन

इंदिरा आवास आब मिलत महिलाक नाम सं

इंदिरा आवास योजना मे जे मकान मिलैत अछि ओ आब परिवारक महिलाक नाम सं मिलत. एहि बारे मे सरकार के तरफ सं सभ जिला के अफसर सभ के निर्देश जारी करि देल गेल अछि. आब सभ ब्लॉक के बीडीओ के एकर

पांच साल मे बिहार के मिल जाएत बिजली संकट से मुक्ति

बिहार के पांच साल मे बिजली संकट सं मुक्ति मिल जाएत. बिहार सरकार के माननाय अछि जे 2016 तक बिहार मे बिजली के कोनो कमी नहि रहत. बिहारक ऊर्जा मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव जीक कहनाय छनि जे 2016 धरि बिहार के भूटान सं करीब 15 सय मेगावाट बिजली मिलनाय शुरू भ जाएत. एकर संग ताबैत धरि राज्य सरकार

मिथिला मे ठंडक प्रकोप

पूरा उत्तर बिहार...मिथिला मे आई-काल्हि ठडंक प्रकोप जारी अछि. कोहरा-कुहासा के कारण कई-कई दिन तक सूरज देवता के दर्शन नहि भ पाबि रहल अछि. ठंडक हाल तं एहन अछि जे दिसंबर मास मे मिथिला इलाका मे ठंडक पिछला पचास सालक रिकॉर्ड

आतंकी गढ़ बनल जा रहल अछि मिथिला

आईबी आओर खुफिया एजेंसी के मुताबिक उत्तरी बिहार के मिथिलांचल इलाका आतंकी अड्डा बनल जा रहल अछि. ई बात बिहार आओर मिथिलाक लेल एकटा बड़का सिरदर्द अछि. देश मे भेल कइटा आतंकी वारदात मे मिथिलाक लिंक पाएल गेल अछि. पिछला पांच-छह साल मे कइटा आतंकवादी मिथिला सं पकड़ल गेल अछि. दोसर ठाम पकड़ल गेल कइटा आतंकी के लिंक सेहो मिथिला सं जुड़ल मिलल अछि. नेपाल...बांग्लादेश से जुड़ल बॉर्डर इलाका