इंदिरा आवास आब मिलत महिलाक नाम सं


इंदिरा आवास योजना मे जे मकान मिलैत अछि ओ आब परिवारक महिलाक नाम सं मिलत.

एहि बारे मे सरकार के तरफ सं सभ जिला के अफसर सभ के निर्देश जारी करि देल गेल अछि.

आब सभ ब्लॉक के बीडीओ के एकर
ध्यान राखय पड़त जे एकर अमल सही सं भ रहल अछि कि नहि.

सरकार के तरफ सं कहल गेल अछि जे जेहि परिवार के इंदिरा आवास योजना मे घर मिलत ई आब ओहि परिवार के सभसं वरिष्ठ महिला सदस्य के नाम पर मिलत.

सरकार के तरफ सं इहो कहल गेल अछि जे बैंक मे खाता सेहो ओहि महिला के नाम पर खोलल जाएत.

अगर परिवार मे वरिष्ठ महिला सदस्य नहि होएतीह तं परिवार के मुखिया के पत्नी के 
नाम पर आवास देल जाएत.

आओर जेहि परिवार मे महिला सदस्य होएबे नहि करतीह तखन ओहि परिवार के कोनो पुरुष सदस्य के नाम पर इदिरा आवास देल जाएत.

सरकार के तरफ सं एहि मद मे पैसा डायरेक्ट खाता मे पहुंचल करत.

सरकारी योजना सभ मे धांधली के देखैत सरकार के तरफ सं कोशिश भ रहल अछि जे रकम सीधा लाभार्थी के खाता मे पहुंचय. 

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

Photos: बिहार महोत्सव दिल्ली पार्ट 2

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा