नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

इंदिरा आवास आब मिलत महिलाक नाम सं


इंदिरा आवास योजना मे जे मकान मिलैत अछि ओ आब परिवारक महिलाक नाम सं मिलत.

एहि बारे मे सरकार के तरफ सं सभ जिला के अफसर सभ के निर्देश जारी करि देल गेल अछि.

आब सभ ब्लॉक के बीडीओ के एकर
ध्यान राखय पड़त जे एकर अमल सही सं भ रहल अछि कि नहि.

सरकार के तरफ सं कहल गेल अछि जे जेहि परिवार के इंदिरा आवास योजना मे घर मिलत ई आब ओहि परिवार के सभसं वरिष्ठ महिला सदस्य के नाम पर मिलत.

सरकार के तरफ सं इहो कहल गेल अछि जे बैंक मे खाता सेहो ओहि महिला के नाम पर खोलल जाएत.

अगर परिवार मे वरिष्ठ महिला सदस्य नहि होएतीह तं परिवार के मुखिया के पत्नी के 
नाम पर आवास देल जाएत.

आओर जेहि परिवार मे महिला सदस्य होएबे नहि करतीह तखन ओहि परिवार के कोनो पुरुष सदस्य के नाम पर इदिरा आवास देल जाएत.

सरकार के तरफ सं एहि मद मे पैसा डायरेक्ट खाता मे पहुंचल करत.

सरकारी योजना सभ मे धांधली के देखैत सरकार के तरफ सं कोशिश भ रहल अछि जे रकम सीधा लाभार्थी के खाता मे पहुंचय. 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु