मैट्रिक परीक्षाक तारीख मे बदलाव आओर टीईटी परीक्षा 18 फरवरी के

प्राथमिक स्कूल के शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीईटी) पिछला दिन 20 आओर 21 दिसंबर के भेल छल.

मुदा ओहि परीक्षा मे काफी लोक शामिल नहि भ पाएल छलखिन्ह. लाखों उम्मीदवार के पास एडमिट कार्ड नहि पहुंचि पाएल छलन्हि.

एकरा देखैत सरकार विशेष
टीईटी लेबय जा रहल अछि. ई विशेष टीईटी 18 फऱवरी के होएत.

एकरा लेल उम्मीदवार के पास एडमिट कार्ड नहि भेजल जाएत. ई शिक्षा विभाग के वेबसाइट सं डाउनलोड कएल जा सकैत अछि. अहां एकर प्रिंट ल टेस्ट मे बैसि सकय छी.

वेबसाइट सं प्रिंट लेबय...आ एडमिट कार्ड डाउनलोज करय के समय अछि 12 सं 16 फरवरी. एकर बाद 18 फरवरी के टेस्ट होएत आओर मार्च के आखिरी हफ्ता मे एकर रिजल्ट आएत.

करीब सवा दू लाख उम्मीदवार के एहि टीईटी मे बैसय के उम्मीद अछि.

एसटीईटी आओर टीईटी के कारण मैट्रिक परीक्षा फिलहाल 22 सं 29 फरवरी तक होबय के बात कएल जा रहल अछि.

पहिने ई 15 फरवरी सं होए वाला छल. अगर किछ झंझट भेल तं एकर तारीख आओर आगां बढ़ाएल जा सकैत अछि.

Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ