Skip to main content

विशेष राज्यक दर्जा पर गोपाल प्रसाद जीक आरटीआई


बिहार के विशेष राज्य दर्जा देबय के मामला मे भ रहल देरी पर आरटीआई कार्यकर्ता गोपाल प्रसादजीक आरटीआई पर हुनका सरकार जवाब मिल गेलन्हि.


गोपाल जीक सूचना केर अधिकार (आरटीआई) के तहत जे जानकारी मिलल अछि ओकर अनुसार विशेष दर्जा के मांग पर विचार करय लेल योजना आयोग के तरफ सं एहि साल आठ सितंबर के एकटा अंतर मंत्रालयी समूह बनाएल गेल.

एहि समूह के अगिला मास दिसंबर मे आठ तारीख
तक अपन रिपोर्ट दय के अछि.


आरटीआई से इहो जानकारी मिलल जे विशेष दर्जा के मांग के लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधान मंत्री मनमोहन सिंह जीके के चारि बेर पत्र लिख चुकल छथिन्ह.


नीतीश जी 3 जून 2006... 23 मई 2009... 14 जुलाई 2009 आओर 10 मई 2010 के प्रधानमंत्री जीके पत्र भेजने छथिन्ह.


एहि सं पहिने 4 अप्रैल 2006 के विधानसभा मे विशेष राज्य के लेल पास एकटा प्रस्ताव सेहो भेजल गेल अछि.


एतबे नहि नीतीश जी दू साल पहिने 2009 मे प्रधानमंत्री के भेजल अपन पत्र मे बिहारक संग भेदभाव करय के आरोप सेहो लगौने छथिन्ह.


प्रधानमंत्री के लिखल पत्र मे साफ कहल गेल अछि जे कोसीक बाढ़ि पुनर्वास... हैंडलूम... कृषि... ऊर्जा... खाद्य सुरक्षा योजना केर मामला मे बिहारक संग भेदभाव कएल जा रहल अछि.


विशेष राज्य के मुद्दा पर एहि साल गर्मी मे शरद यादव जी बिहारक नेता सभ के संग प्रधानमंत्री सं मुलाकात करने छलखिन्ह.


मुदा केंद्र के कांग्रेसी...यूपीए सरकार पर बिहार के शिकायत के कोनो असरे नहि दिखा रहल अछि.

बिहार के संग शुरूए सं पक्षपात भ रहल अछि आओर ओ आइओ जारी अछि.

विशेष राज्य के दर्जा देबय लेल योजना आयोग के किछ शर्त होएत अछि. अगर गोपाल प्रसाद जीक आईटीआई पर ध्यान देल जाए तं बिहार सरकार के कहनाय अछि जे बिहार ओहि सभ शर्त के पूरा करैत अछि. एहि लेल केंद्र के बिहार के विशेष दर्जा देबय मे देरी नहि करबाक चाही.


मुदा यूपीए...दीदी...दादा के खेल मे बिहार पिसा रहल अछि. रेल सेवा होए...आर्थिक पैकेज होए... कोनो नव प्रोजेक्ट होए बिहार के संग भेदभाव जारी अछि.


एहि सं परेशान एनडीए के सांसद विशेष दर्जा के मुद्दा आब संसद में उठएताह.


जेडीयू...बीजेपी के एमपी सभ जोर-शोऱ सं एहि मांग के संसद मे राखथिन्ह.


अखन संसद के शीतकालीन सत्र चलि रहल अछि. अहां सभ सेहो अपना स्तर पर दवाब बनाबय के कोशिश करिऔ. बिहार के विकास लेल आगां आउ.


एकटा आओर गप आईटीआई कार्यकर्ता गोपाल प्रसाद जी अपन दरभंगा सं छथिन्ह आओर दिल्ली मे सूचना केर अधिकार के लेल लड़ि रहल छथिन्ह.


गोपाल जी आरटीआई के क्षेत्र मे बड़ नीक काज करि रहल छथिन्ह. गोपाल जी पचासों मुद्दा पर आरटीआई दाखिल कएने छथिन्ह आओर हुनका सरकार सं ओकर जवाब सेहो मिलल छनि.


अहां सभ हिनका सं 092897-23144 फोन पर संपर्क करि सकय छी.


Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...